महेन्द्रनगर (धनुषा), ११ माघ: मधेश प्रदेशमे सम्पन्न राष्ट्रियसभा सदस्य निर्वाचन २०८२के अन्तिम नतिजा सार्वजनिक कएल गेल अइछ ।
विभिन्न चाइरटा कलष्टरदिस भेल निर्वाचनमे अलग-अलग दलके उम्मेदवार विजयी भेल अइछ । महिला कलष्टरदिस नेकपा (एमाले)के रेखा झा सात हजार २२२ मतसहित विजयी भेल छैथ। हुनकर निकटतम प्रतिस्पर्धी नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा) के शमी कुमारी अग्रवाल एक हजार ९४४ मत प्राप्त केलैन तँ जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) के चन्द्रकला देवी साह ३२२ मत प्राप्त केलैन । अइ कलष्टरमे ३५७ मत बदर भेल निर्वाचन कार्यालय जनौलक अइछ ।
अल्पसङ्ख्यक कलष्टरदिस नेपाली कांग्रेसक रञ्जित कर्ण आठ हजार ९३ मतसहित विजयी भेल छैथ । नेकपाके रामनन्दन प्रसाद एक हजार ३६१ मत तथा जसपाके शैलेश कुमार चौधरी २७७ मत प्राप्त केलैन। ११४ मत बदर भेल अइछ ।
दलित कलष्टरदिस नेपाली कांग्रेसक धर्मेन्द्र पासवान सात हजार ९०४ मतसहित निर्वाचित भेल छैथ । नेकपाके शम्भु पासवान एक हजार ३७६ मत आ जसपाके चमेलीदेवी दास २०९ मत प्राप्त केलैन। अइ कलष्टरमे १८६ मत बदर भेल जनौलक अइछ ।
अन्य कलष्टरदिस जसपाके महन्थ ठाकुर सात हजार ७२५ मतसहित विजयी भेल छैथ । हुनक प्रतिस्पर्धी नेकपाके लक्ष्मण पौडेल एक हजार ८०५ मत प्राप्त केलैन तँ ३१५ मत बदर भेल अइछ ।
निर्वाचन कार्यालयक अनुसार राष्ट्रियसभा सदस्य निर्वाचन–२०८२ अन्तर्गत मधेश प्रदेशमे कूल १०० प्रदेशसभा सदस्यमध्ये ९९ गोटे तथा २६४ पालिका प्रतिनिधि (प्रमुख, उपप्रमुख तथा अध्यक्ष आ उपाध्यक्ष) मध्ये २४२ व्यक्ति मतदान कएने छल । रासस





