आचारसंहिता उल्लङ्घन कएल आरोपमे आयोगद्वारा स्पष्टीकरण माँग


काठमाण्डू, १३ माघः निर्वाचन आयोग निर्वाचन आचारसंहिता उल्लङ्घन कएल आरोपमे विभिन्न सात व्यक्ति तथा निकायकेँ स्पष्टीकरण माँगलक अइछ ।

नेपाल जनसेवा पार्टीके प्रतिनिधिसभा सदस्य पदके उम्मेदवार जानुका पाठक (शोभा पाठक) केँ सामाजिक सञ्जालमे उक्त निर्वाचन क्षेत्रके दोसर उम्मेदवार तथा पार्टी विरुद्ध गाली, भ्रामक वा द्वेषपूर्ण आ व्यक्तिगत मानहानि करैबला सामग्री प्रसारण क आचारसंहिताके उल्लङ्घन होएबला अइछ वा नै से स्पष्टीकरण पुछल गेल आयोगक सहायक प्रवक्ता सीता पुन श्रीस राससकेँ जानकारी देलैन अइछ । निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२ के दफा ४ के खण्ड (ञ) आ (ण) अन्तर्गत उल्लङ्घन भेल या नै से हुनकासँ आयोग स्पष्टीकरण माँगलक अइछ ।

तहिना श्रम संस्कृति पार्टीकेँ सेहो आयोग दलके लोगो, नाम, चिह्न आ उम्मेदवारके तस्बिर अङ्कित टिसर्ट लगाए क धीयापूताक प्रयोग कएलासँ आचारसंहिताके उल्लङ्घन कएने अइछ वा नै से स्पष्टीकरण पुछल गेल ओ बतौलैन । ई निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२के दफा १३के उपदफा (१)के खण्ड (घ) उल्लङ्घन भेल ठहर करैत आयोग स्पष्टीकरण माँग कएने अइछ।

आधारभूत विद्यालय, श्रीसिया, आदर्शचोककेँ विद्यालयमे कार्यरत बालविकास शिक्षिका सन्तोषी गुप्ताकेँ एवम् जोरजुलम क सरुवा कएल गेल कहल जाएबला व्यहोराके उजुरी प्राप्त भेलासँ अइ विषयमाके कि भेल अइछ ? से स्पष्टीकरण पुछल गेल अइछ । निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२के दफा १०के खण्ड (च) अनुसार उक्त विद्यालयकेँ स्पष्टीकरण पुछल गेल आयोग जनौलक अइछ । विद्यालयकेँ दू दिनभित्र स्पष्टीकरण पेश करबाक आयोग निर्देशन देलक अइछ ।

नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) भक्तपुर निर्वाचन क्षेत्र नं २ क उम्मेदवार महेश बस्नेतकेँ सेहो आयोग स्पष्टीकरण माँग कएने अइछ । मधेशी समुदायके संस्कृति आ पहिचानपर प्रहार, भाषिक नश्लवाद आ घृणास्पद अभिव्यक्ति देलासँ कारबाही कएल जाए से विषयक उजुरी आएलासँ उजुरीमे उल्लेख अनुसार अभिव्यक्ति छै वा नै से आयोग स्पष्टीकरण माँग कएने अइछ । अइसँ नेपालके संविधानके धारा १८, निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२के दफा ४के खण्ड (ठ), सएह आचारसंहिताके दफा १३के उपदफा (१)के (ञ), देशी अपराधसंहिता, २०७४के दफा १५६ आ विद्युतीय कारोबार ऐन, २०६३के दफा ४७के सेहो उल्लङ्घन भेल वा नै से आयोग बस्नेतसँ जवाफ माँग केलक अइछ ।

राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टीके उम्मेदवार बालेन्द्र शाहकेँ सार्वजनिक बहसके लेल एमाले् अध्यक्ष ओलीके सामाजिक सञ्जालके पोस्टमे लिखल गेल प्रतिक्रियाक बारेमे स्पष्टीकरण माँग कएने आयोग जनौलक अइछ । आयोग अइसँ पहिने निर्वाचन आचारसंहिता उल्लङ्घन करैबला दल, उम्मेदवार, सामाजिक संस्था, सरकारी निकायसहित आठटा निकायकेँ स्पष्टीकरण पुछने छल । एखनधैर आयोग आचारसंहिता विपरीत आएल उजुरी मध्ये १५ टा स्पष्टीकरण माँगने अइछ । जाहिमे एकेटा जवाफ प्राप्त भेल जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय