सोनाके दाममे नयाँ रेकर्ड, तोलाके ३ लाख ३९ हजार टकासँ बेसी


काठमाण्डू, १५ माघः स्थानीय बजारमे आइ सेहो सोना चाँदीके दाममे नयाँ रेकर्ड कायम भेल अइछ ।

नेपाल सुनचाँदी व्यवसायी महासङ्घक अनुसार आइ एक तोला सोनाके दाम तीन लाख ३९ हजार ३ सयो टका आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम सात हजार ५ सओ ५ टका कायम भेल अइछ ।

बुधदिन एक तोला सोनाके दाम तीन लाख १८ हजार ८ सओ टका आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम सात हजार ३ सओ टका कायम भेल छल, तँ मङ्गलदिन एक तोला सोनाके दाम तीन लाख नौ हजार ३ सओ टका आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम छ हजार ८ सओ ७० टका कायम भेल छल ।

अन्तर्राष्ट्रिय संचारमाध्यमसभक अनुसार आइ अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे एक औँस सोना पाँच हजार ५ सओ ६० आ ओएह परिमाणक चाँदी १ सओ २० अमेरिकी डलरमे कारोबार भ रहल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय