काठमाण्डू, २१ माघः कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त रामप्रसाद भण्डारी अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनमे प्रविधिक माध्यमसँ सम्भावित दुरुपयोग रोकबाक लेल योजनाबद्ध काज भ रहल बताैलैन अइछ ।
निर्वाचन आयोग सामाजिक सञ्जाल टिकटकके प्रतिनिधिसँ आइ समझदारीपत्र आदानप्रदान समारोहकेँ सम्बोधन करैत ओ निर्वाचनकके वातावरण अनुकुल बनेबाक लेल ऐतिहासिक सम्झौता भेल बतौलैन ।
टिकटकसँ सम्झौता कएलाक बाद एकरा माध्यमसँ आचारसंहिता उल्लङ्घन, मिथ्या सूचना बन्द करए लेल सहयोग हाेबाक विश्वास कएल गेल कार्यवाहक प्रमुख आयुक्त भण्डारी बतौलैन । टिकटक निःशुल्क रूपमे सहयोग क रहलासँ ओ धन्यवाद देलैन ।
कार्यक्रममे आयोगक सहसचिव एवम् प्रवक्ता नारायणप्रसाद भट्टराई आ टिकटकके दिससँ सामाजिक नीति आ सरकारी सम्बन्ध प्रमुख फेर्दोस अल मत्ताकिन समझदारीपत्र आदानप्रदान कएने छल । प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनके स्वच्छता कायम करए लेल अइसँ सहयोग होबाक विश्वास कएल गेल अइछ ।
निर्वाचनकेँ असर करैबला भ्रामक सूचना तथा हानिकारक सामग्रीके नियन्त्रणक लेल सहयोग पहुँचेबाक विश्वास कएल गेल अइछ ।रासस
Imagesourse:AI





