जनसंख्याक आधारमें निर्वाचन क्षेत्र आ बजेट नइँ देनाइँ मधेशी जनतासँ बेइमानी : उपेन्द्र यादव


रुपनी (सप्तरी), २१ माघ । जनता समाजवादी पार्टी नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव जनसंख्याक आधारमे निर्वाचन क्षेत्र निर्धारण आ विकासीय बजेट वितरण नइँ भेनाइँ मधेशी जनतासँ सीधा बेइमानी भेल बात बतौलैन ।

सप्तरी जिलाक रुपनी गाउँपालिका–२ पिपराहीमें बुधदिन आयोजित चुनावी छलफल आ भेंटघाट कार्यक्रमके सम्बोधन करैत अध्यक्ष यादव कहलैन जे बाँकी अधिकारक लेल एखनो संगठित संघर्ष जरूरी अइछ । सप्तरी निर्वाचन क्षेत्र नम्बर ३ सं प्रतिनिधिसभा सदस्यक उम्मेदवार सेहो रहल यादव कहलैन, “नेपाल क पहाड़ी जिला में ८–१० हजार जनसंख्यामे एकटा प्रतिनिधिसभा सदस्य होइत अइछ, मुदा मधेशमें डेढ़ लाख जनसंख्यापर एकेटा प्रतिनिधि अइछ । मधेश क जनसंख्या करीब ६० प्रतिशत अइछ, मुदा विकासीय बजेट मात्र ११ प्रतिशत भेटैत एछ , आ देश के ७० प्रतिशत राजश्व मधेश सं उठैत एछ—ई मधेशी जनतासँ बेइमानी छी ।”

अध्यक्ष यादव स्मरण करौलैन जे अगर मधेश जनविद्रोह नइँ भेल रहैत, त मधेशी समुदाय सहित देशभर क महिला, दलित, थारु, आदिवासी, जनजाति, मुस्लिम, अल्पसंख्यक आ पिछड़ल समुदाय क सरकारी सेवा, राजनीति आ अन्य क्षेत्रमें प्रतिनिधित्व सुनिश्चित नइँ भेल रइहतै । तत्कालीन मधेशी जनअधिकार फोरम सं भेल सम्झौता बाद पहिल चरण में २२ लाख आ दोसर चरण में ९ लाख, कुल ३१ लाख नागरिकताविहीन जनता क गाउँ–गाउँ में टोली मार्फत नागरिकता देल गेल ओ कहलैन । संघीयता एकटा उत्कृष्ट शासन व्यवस्था होइतो, अधिकार नइँ देलासं एकरा कमजोर बनाओल गेल आ संघीयता विरोधी गलत भाष्य निर्माण करैत रहल, अध्यक्ष यादव आरोप लगौलैन ।

ओ कहलैन जे २००७, २०१७ आ २०४६ साल क राजनीतिक परिवर्तन म मधेशी जनता बलिदान देलक, मुदा बाद म बनल कांग्रेस–एमाले सरकार मधेशी जनता क शासित आ शोषित बनौन रहल । “एखनहु विभेद अन्त नइँ भेल अइछ । संघीयतामें अपन प्रहरी, अपन कर्मचारी, अपन न्यायालय आ अपन शासन–प्रशासन होना चाही छल, मुदा संघीयता विरोधी लोक अधिकार नइँ द कए गलत भाष्य बनौने अइछ । जनताकेँ चाही जे ओ सब संघीयता विरोधी ताकत क पहिचान करए,” यादव बतौलैन ।

संविधान संशोधन आ पुनर्लेखन करैत अपन हक–अधिकार सुनिश्चित करबा लेल जनता समाजवादी पार्टी नेपाल क मजबूत बना कए प्रतिनिधिसभामें भेजबाक जरूरत पर जोर दैत अध्यक्ष यादव कहलैन, “भ्रम आ भुलभुलैयामें नइँ फँसूं । शोषित–उत्पीडÞित जाति आ समुदाय क लेल कोनो दोसर नइँ लड़े वाला अइछ, अपन लड़ाई हमरासबके अपने लड़े परत ।”

बुधेदिन रुपनी गाउँपालिका–४ क छपकी, भथौल आ लक्ष्मीपुर में सेहो भेंटघाट आ छलफल कार्यक्रम सम्पन्न भेल । कार्यक्रममें पार्टी क केन्द्रीय सचिव शैलेन्द्र प्रसाद साह, नेता मुनीलाल खंग, दिलकुमारी चौधरी, जिल्ला अध्यक्ष सुनिल कुमार झा, उपाध्यक्ष हरेराम यादव, सचिव जयनारायण यादव, चुल्हाइ मण्डल, निर्मला मण्डल, पूर्व उपमेयर बेचनी सरदार, निर्वाचन परिचालन समिति संयोजक रामानन्द ठाकुर, ओमप्रकाश महतो लगायत कअ नेता सब मन्तव्य व्यक्त कएलैन ।

ताजा खबर
लोकप्रिय