समाचारपर अनुगमन भ रहल छै, आचारसंहिता कड़ाइसँ लागू करब: आयुक्त भण्डारी


भक्तपुर, २३ माघः निर्वाचन आयोगक कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त रामप्रसाद भण्डारी अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनके समाचारमे कोनो एकेटाके पक्षमे वा विपक्षमे नै निष्पक्ष समाचार सम्प्रेषण करबाक लेल सञ्चार माध्यमकेँ आग्रह केलैन अइछ ।

ओ जनक शिक्षा सामग्री केन्द्र लिमिडेड सानोठिमीमे सञ्चारकर्मीसँ बात करैत सञ्चारमाध्यम एकदिसी आ एकपक्षीय ढङ्ग दोसर उम्मेदवारकेँ प्रभाव करैबला समाचार वा विचार व्यक्त नै करए लेल आ निष्पक्ष सामग्री बना देबाक आग्रह कएने अइछ।

देशभैर निर्वाचनमय वातावरण बनल समयमे निर्वाचनके अन्तिम अन्तिम चरणमे समाचारसँ अपन विचारकेँ सम्प्रेषण कएलोपर पक्ष वा विपक्ष नै निष्पक्ष बनेबाक लेल ओ आग्रह केलैन ।

ओ कहलैन, “सञ्चार माध्यममे अहाँसभ विचारकेँ सम्प्रेषण करैत काल सबके अपन–अपन मौलिकता आ विचार छै, मुदा से विचार व्यक्त करैत काल कोनो दल वा व्यक्ति वा कोनो उम्मेदवारके पक्ष आ विपक्षमे प्रस्तुत नै क सकैत छी, तँए सत्यतथ्यमे आधारित समाचार मात्रे सम्प्रेषण करबाक आग्रह करैत छी ।”

आचारसंहिता उल्लङ्घनके उजुरीपर खोजबिन आ कारबाही आगू बढ़ाएल गेल कहैत ओ अचारसंहिता लागू भेल वा नै भेल, तकर परिपालन भेल कि नै, तकरो अनुगमन भ रहल बतौलैन ।

आयोग आचारसंहिता उलङ्घनके अनुगमन सेहो क रहल उल्लेख करैत आयोगक कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त भण्डारी निर्वाचनके तैयारी तीव्र गतिमे भ रहल जानकारी देलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय