राजविराज (सप्तरी), २३ माघ : जनता समाजवादी पार्टीके अध्यक्ष उपेन्द्र यादव मधेश जनविद्रोहेसँ विभेद कएल गेल जाति तथा समुदायके पहिचान, अधिकार, स्वाभिमान, सम्मान आ प्रतिनिधित्व स्थापित भेल बताैलैन अइछ ।
सप्तरीके विष्णुपुर गाउँपालिका–७ स्थित इटहरीमे आइ आयोजित चुनावी बातचित तथा भेटघाट कार्यक्रमकेँ सम्बोधन करैत ओ ‘कठोर सङ्घर्षके अधिकार आ अवसर दयबला पार्टी जसपा नेपाल भेल दाबी केलैन । मधेश जनविद्रोहेसँ महिला, दलित, आदिवासी, जनजाति, थारु, मुस्लिमसहित पाछु पडल समुदायके आरक्षण आ प्रतिनिधित्व सुनिश्चित भेल कहैत ओ आब अधिकार आ विकासक लेल लड़ाइ होबाक बतौलैन ।
सप्तरी क्षेत्र नम्बर ३सँ प्रतिनिधिसभा सदस्यका उम्मेदवार जसपा अध्यक्ष यादव शोषित उत्पीडित जनताके अधिकार प्राप्तिक आन्दोलनकेँ आओर सशक्त बनेबाक चाही बतौलैन । (रासस)





