काठमाण्डू, २४ माघ : अइ सालक ‘प्रधान सेनापति खुला म्याराथन प्रतियोगिता २०८२’ आइ सम्पन्न भेल अइछ । नेपाली सैनिक शारीरिक तालिम तथा खेलकुद केन्द्रद्वारा सैनिक मुख्यालयमे आइ आयोजित समारोहमे प्रतियोगिताके प्रधानसेनापति अशोकराज सिग्देल उद्घाटन केलैन ।
प्रतियोगिताक लेल अइ साल ‘मजबुत एकता, सुरक्षित राष्ट्र’ नारा तय कएल गेल छल । उक्त प्रतियोगिताअन्तर्गत ४२.१९५ किमी दूरीके पुरुष म्याराथन तथा महिला आ पुरुष विधाके २१ किमी दूरीके हाफ म्याराथन भेल। म्याराथनमे प्रथम, द्वितीय आ तृतीय स्थान हासिल केनिहार धावककेँ आइए क्रमशः तीन लाख, दू लाख आ एक लाख नगद पुरस्कार प्रदान कएल जाएत।
हाफ म्याराथनमे पहिल, दोसर आ तेसर स्थान प्राप्त केनिहार महिला आ पुरुष दुनु विधाक खेलाड़ीकेँ जनही क्रमश एक लाख, ७५ हजार आ ५० हजार प्रदान कएल जाएत । सैनिक अधिकृत, सैनिक सहचारी, सैनिक महाविद्यालय कार्यरत कर्मचारी, सेनाक अवकाश प्राप्त तथा सेवारत सकल दर्जा आ गैरसैनिकके कक्षा १०सँ १२ मे अध्ययनरत सन्तानके सहभागितामे १० किमी दुरीके दौड़ आयोजना भेल छल।
पाँच किमी दुरीके वाकाथनमे प्रधानसेनापति सिग्देलसहित सैनिक तथा गैरसनिक व्यक्ति सहभागी भेल छल। सैनिक महाविद्यालयमे अध्ययनरत कक्षा ७सँ ९ तकके छात्र-छात्रा सम्मिलित पाँच किमी दूरीके दौड़ पूरा केलैथ ।
दश किमी आ पाँच किमी दौडमे प्रथम, द्वितीय आ तृतीय भेनिहार महिला आ पुरुष विधाक धावककेँ क्रमशः १० हजार, सात हजार आ पाँच हजार नगद प्रदान कएल जाएत ।वि.सं. २०७२ सँ प्रत्येक वर्ष महाशिवरात्री तथा सेना दिवसके अवसरमे आयोजना होइत आएल अइ ११ संस्करणके प्रतियोगितामे विभिन्न पाँच विधामे करिब दू हजार ५०० धावकके सहभागिता छल । (रासस)





