निर्वाचन २६ दिन बाँकीः चौतिस उम्मेदवार देलक आयोगकेँ स्पष्टिकरण


काठमाण्डू, २४ माघः आचारसंहिता उल्लङ्घन कएल गेल अभियोगमे निर्वाचन आयोग स्पष्टिकरण पुछने छल जाहि मध्ये २४ उम्मेदवार जवाफ देलक अइछ । आयोग ३४ व्यक्तिकेँ स्पष्टिकरण माँग कएने छल । जाहिमे अखनो १० उम्मेदवार जवाफ नै देने अइछ ।

आयोग कूल ३४ राजनीतिक दल आ स्म्वद्ध उम्मेदवारकेँ स्पष्टिकरण पुछलोपर २४ व्यक्ति मात्रे स्पष्टिकरण देलक बाकीके जवाफ नै आएल आयोगक प्रवक्ता नारायणप्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन अइछ ।

आयोग आचारसंहिताके उल्लङ्घनके घटनाकेँ न्यूनीकरण करए लेल आयोगकेँ प्राप्त उजुरी मध्ये आवश्यक जाँचबुझ आ कारवाहीके प्रक्रिया आगू बढ़ा रहल अइछ ।

आचारसंहिताके प्रभावकारी कार्यान्वयनक लेल केन्द्रीय आचारसंहिता अनुगमन समिति, जिला आचारसंहिता अनुगमन समिति, जिला आचारसंहिता अनुमगन अधिकृत तथा सम्बन्धित निर्वाचन कार्यालय क्रियाशील रहल अइछ ।

जिलास्तरमे आचारसंहिता अनुमगनकेँ प्रभावकारी बनाबैत कार्यान्वयन सुनिश्चितताक लेल निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२के दफा ३२ बमोजिम ७७ टा जिलाक सहायक प्रमुख जिला अधिकारीकेँ जिमा देल गेल अइछ। सहायक प्रमुख जिला अधिकारीकेँ आर्थिक बाहेक अन्य विषयके अख्तियारी अइछ ।

जिलामे प्रमुख कोष नियन्त्रक आ कोप नियन्त्रककेँ आर्थिक विषयमे अनुगमन करए लेल आचारसंहिता अनुगमन अधिकृत निर्धारित अइछ । कम समयेमे सब जिलामे सरोकारवालाकेँ आचारसंहिताबारे जानकारी करेबाक आ आचारसंहिता पालना करेबाक प्रतिवद्धताके प्रभावकारी रूपमे भ रहल आयोग जनौलक अइछ ।

जिलास्तरमे प्राप्त भेल आचारसंहिता उल्लङ्घन सम्बन्धमे प्राप्त भेल उजुरीकेँ आवश्यक कारवाही कएल गेल आयोग जनौलक अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय