काठमाण्डू, २५ माघः सरकार आइसँ कक्षा ६ मे अध्ययनरत किशोरीसभकेँ बच्चादानीके क्यान्सर विरुद्धक ‘ह्युमन पापिलोमा भाइरस’ (एचपिभी) खोप अभियान देशभैर सुरु केलक अइछ ।
स्वास्थ्य सेवा विभाग बाल स्वास्थ्य तथा खोप शाखा अनुसार आइसँ फागुन १५ गतेधैर देशभैर कक्षा ६ मे अध्ययनरत किशोरी आ विद्यालय बाहर रहल १० वर्ष उमेर समूहक किशोरीकेँ खोप लगेबाक सुरु भेल अइछ ।
अभियानक क्रममे बितल साल एचपिभी खोप लगेबाक छुटल कक्षा ७ सँ १० धैर अध्ययनरत किशोरी आ ११ वर्षसँ १४ वर्षक विद्यालय बाहर रहल किशोरीकेँ सेहो इएह अभियानअन्तर्गत खोप लगेबाक आ हिमाली तथा हिमपात होएबला जिलामे चैतमे खोप अभियान संचालन करबाक शाखा जनौलक अइछ ।
बच्चादानीके क्यान्सरक जोखिम बढ़ाबैबला मुख्य कारण ह्युमन पापिलोमा भाइरस भेलासँ ओकर विरुद्ध एचपिभी खोप लगाएल जाइत अइछ । कक्षा ६ मे अध्ययनरत किशोरीकेँ विद्यालय आ अन्य किशोरीकेँ खोप केन्द्रमे एचपिभी खोप लगाओल जाएत ।
खोप शाखाके प्रमुख डा. अभियान गौतम खोप शतप्रतिशत प्रभावकारी भेलाक कारण खोप लगेबाक लेल सबसँ आग्रह केलैन अइछ । नेपालमे हरेक दिन औसतमे छ गोटे महिलामे बच्चादानीके क्यान्सर पुष्टि होइत अइछ । जइमे चाइर गोटेके मृत्यु होइत अइछ । मुदा, ई क्यान्सरसँ बचबाक लेल एचपिभी खोप लगेबाक आवश्यक रहल चिकित्सकसभक कहब अइछ ।
सरकार बितल साल माघ २२ गतेसँ फागुन ६ गतेधैर देशभैर कक्षा ६ सँ १० धैर आ विद्यालय बाहर भेल १० सँ १४ वर्ष उमेर समूहक करिब १७ लाख किशोरीकेँ एचपिभी खोप लगौने छल । शाखा अनुसार २० दिनक अभियानमे करिब तीन लाख ५० हजार बालबालिकाकेँ बच्चादानीके क्यान्सर विरुद्धक एचपिभी खोप लगाएल जाएत ।
नेपालमे महिलामे होएबला विभिन्न क्यान्सरमध्ये बच्चादानीके क्यान्सर दोसर स्थानमे अइछ, तँ क्यान्सरके कारण महिलाके मृत्यु होबाकमे ई क्यान्सर पहिल स्थानमे अइछ ।रासस





