काठमाण्डूँ, २८ माघः गर्भाश्य क्यान्सर विरुद्धके ‘ह्युमन पापिलोमे भाइरस’ (एचपिभी) खोप अभियान ५६ जिलाक ४९३ स्थानीय तहमे सञ्चालन कएल गेल अइछ ।
हिमाली आ पहाड़़ी २१ जिला बाहेक ५६ जिलामे ४९३ स्थानीय तहमे खोप अभियान सञ्चालन कएल गेल स्वास्थ्य सेवा विभाग बाल स्वास्थ्य तथा खोप शाखाक प्रमुख डा अभियान गौतम जानकारी देलैन। खोप अभियान इएह माघ २५ गतेसँ सञ्चालन भेलाक बाद हिमाली आ पहाड़़ी क्षेत्रमे जिलामे ठण्ढा तथा हिमपातके सम्भावना भेलासँ चैतमे खोप अभियान सञ्चालन होबाक बतौलैन ।
हुनक कहब अनुसार कोशीक नौ जिलामे ८८ स्थानीय तह, मधेशक आठ जिलामे ८५ स्थानीय तह, बागमतीमे १० जिलामे ९४ स्थानीय तह, गण्डकीके लुम्बिनीक ११ जिलाक ९५ स्थानीय तह, कर्णालीक पाँच जिलाक ३१ स्थानीय तह आ सुदूरपश्चिम प्रदेशमे आठ जिलाक ७० स्थानीय तहमे सुरू कएल गेल अइछ ।
सरकार कक्षा ६ मे पढ़निहाइर किशोरी आ विद्यालय बाहरके १० वर्ष उमेर समूहक तथा वितल वर्षके एचपिभी खोप अभियानमे छुटल हाल कक्षा ७ सँ १० धैर पढ़निहाइर किशोरी आ ११ वर्षसँ १४ वर्षक विद्यालय बाहरके किशोरी गर्भाश्यके क्यान्सरसँ बचबाक लेल खोप अभियान सञ्चालन केलक अइछ । गर्भाश्य क्यान्सरके मुख्य कारण ह्युमनपापिलोमे भाइरस सङ्क्रमण विरुद्ध एचपिभी खोप लगेबाक चाही ।
शाखा प्रमुख डा गौतम अनुसार अभियानक क्रममे २० दिनक अभियानमे करिब तीन लाख ५० हजार बालबालिकाकेँ गर्भाश्यके क्यान्सरविरुद्धके एचपिभी खोप लगाएल जाएत। नेपालमे महिलामे होएबला विभिन्न क्यान्सरमध्ये गर्भाश्यके क्यान्सर दोसर स्थानमे छै । (रासस)





