शान्तिपूर्ण रुपमे निर्वाचन करेबाक प्रधानसेनापतिके विशेष निर्देशन


काठमाण्डू, २ फागुनः प्रधानसेनापति अशोकराज सिग्देल आसन्न प्रतिनिधिसभा सदस्यके निर्वाचनकेँ शान्तिपूर्ण रुपमे सम्पन्न करेबाक लेल विशेष निर्देशन देलैन अइछ ।
महाशिवरात्रि तथा २६२म् सेना दिवसके अवसरमे आइ सैनिक मुख्यालयमे आयोजित विशेष कार्यक्रममे नेपाली सेनाक सकल दर्ताकेँ शुभकामनासहित सम्बोधन करैत ओ नेपाली सेना विभिन्न क्षेत्रसभमे निर्वाह करैत आइब रहल जिमेवारीकेँ उत्कृष्ट ढंग पूरा करबाक लेल निर्वाचनकेँ शान्तिपूर्ण रुपमे सम्पन्न करबाक सेहो विशेष निर्देशन देलैन । ओ नेपालके गौरवमय गाथा, परम्परा, सस्कृति, चिन्न, गौरवयोग्य तथा इतिहासक पाठसभसँ सिखैत सब सैनिक तालिममे नेपाल आ नेपालीके इतिहास अध्ययन आ अध्यापन करेबाक सेहो निर्देशन देल गेल सैनिक जनसम्पर्क तथा सूचना निर्देशनालय जनौलक अइछ । आइए आयोजित एक फरक कार्यक्रममे ओ कर्तव्य पालनके सिलसिलामे जीवन उत्सर्ग केनिहार सैनिकसभके सम्मानमे वीर स्मारक तथा सैनिक मञ्च टुँडिखेलमे श्रद्धासुमन अपर्ण केलैन । तहिना ओ छाउनीस्थित वीर स्मारकमे सेहो वीरगति प्राप्त सैनिक परिवारकेँ सम्मान कएल गेल निर्देशनालय जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय