बरहथवा (सर्लाही), ७ फागुनः जिलाके ईश्वरपुर नगरपालिकास्थित खिलामे तीनटा मोटरसाइकल दुर्घटना भेलासँ दू गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ दू गोटे घायल भेल अइछ ।
बितल राति भारतमे दर्ता भेल मोटरसाइकल एक आपसमे ठोकरेलासँ हरिपुर्वा नगरपालिका–९ मिर्चैयाके मुकेश राय आ रामज्ञान रायके मृत्यु भेल जिला प्रहरी कार्यालयके प्रवक्ता सरोज राई राससकेँ जानकारी देलैन ।
तहिना, दुर्घटनामे ओएह ठामक विक्रम राय आ रामविश्वास राय घायल भेल छैथ । घायल भेल दूनु गोटेकेँ लालबन्दीस्थित मोडल अस्पतालमे इलाजक बाद प्रहरी नियन्त्रणमे लेने अइछ । रासस





