मधेशमे गुणस्तरीय स्वास्थ्य शिक्षा आ विशेषज्ञ सेवा विस्तार करबाक लेल विधेयक आवश्यकः मन्त्री मेहता


काठमाण्डू, १३ आसिन : स्वास्थ्य तथा खाद्य स्वच्छतामन्त्री निशा मेहता मधेश प्रदेशमे गुणस्तरीय स्वास्थ्य शिक्षा विस्तार, दक्ष जनशक्ति उत्पादन तथा विशेषज्ञ स्वास्थ्य सेवा विस्तारक लेल अगल विधेयक आनए पड़ल बतौलैन अइछ ।

प्रतिनिधि सभामे ‘रामराजा प्रसाद सिंह स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान स्थापना करबाक लेल बनल विधेयक, २०८३’ पर उठल प्रश्नके जवाब दैत ओ संविधान सुनिश्चित कएने स्वास्थ्यसम्बन्धी हककेँ थप प्रभावकारी रूपमे कार्यावंयन करबाक क्रममे अलग विधेयक आनल गेल बतौलैन ।

संविधानके धारा ३५ प्रत्येक नागरिककेँ आधारभूत स्वास्थ्य सेवा निःशुल्क प्राप्त करबाक हक सुनिश्चित कएने तथा आकस्मिक स्वास्थ्य सेवासँ केकरो वञ्चित नै करबाक चाही से व्यवस्था कएने ओ उल्लेख केलैन । संविधानके धारा ५१ सेहो जनस्वास्थ्यमे लगानी वृद्धि, गुणस्तरीय स्वास्थ्य सेवामे सहज आ समान पहुँच तथा स्वास्थ्य अनुसन्धानमे जोड़ दैत स्वास्थ्य संस्था आ स्वास्थ्यकर्मीके सङ्ख्या बढ़ेबाक व्यवस्था कएने हुनक कहब छलैन ।

“संविधान प्रत्याभूत कएने स्वास्थ्यसम्बन्धी हककेँ व्यवहारमे सुनिश्चित करबाक लेल अस्पताल सेवाके विस्तारसहित गुणस्तरीय स्वास्थ्य शिक्षा आ दक्ष स्वास्थ्य जनशक्ति उत्पादनमे सेहो राज्यद्वारा प्राथमिकता देनाइ आवश्यक छै,” ओ कहलैन ।

मन्त्री मेहताके कहब अनुसार अन्य प्रदेशमे स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान स्थापना भ सञ्चालनमे भेलाक बादो मधेश प्रदेशमे अखनधैर ओइ प्रकारक प्रतिष्ठान स्थापना तथा सञ्चालन नै भेल अइछ । प्रादेशिक सन्तुलन कायम करैत मधेशक नागरिककेँ अपने प्रदेशमे गुणस्तरीय स्वास्थ्य शिक्षा आ विशेषज्ञ स्वास्थ्य सेवा उपलब्ध करेबाक लेल प्रतिष्ठान आवश्यक रहल ओ बतौलैन ।

प्रतिष्ठान स्थापनाके लेल रामराजा प्रसाद सिंह स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान पूर्वाधार तैयारी विकास समिति (गठन) आदेश, २०८० जारी भ पूर्वाधार निर्माण तथा तैयारीके काज आगु बइढ़ रहल ओ जानकारी देलैन । समितिके पहिल बैसार २०८१ वैशाख २ गते भेलासँ प्रतिष्ठानसम्बन्धी कानुनी व्यवस्था यथाशीघ्र तैयार करबाक चाही से स्वास्थ्यमन्त्री मेहता धारणा व्यक्त केलैन ।

चिकित्सा शिक्षामे समानुपातिक तथा समावेशी सहभागिता सुनिश्चित करबाक लेल सर्वोच्च अदालतसँ सेहो महत्वपूर्ण फैसला भेल स्मरण करैत मन्त्री मेहता प्रस्तुत विधेयक चिकित्सा शिक्षा क्षेत्रमे समावेशी पहुँच विस्तार तथा हाल सञ्चालनमे रहल स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानसम्बन्धी कानुनी व्यवस्थामे एकरूपता कायम करबाक लेल आधार तैयार करबाक बतौलैन ।

सरकार चिकित्सा शिक्षासम्बन्धी विभिन्न प्रतिष्ठानकेँ प्रभावकारी रूपमे सञ्चालन करबाक लेल भविष्यमे एकीकृत छाता ऐनमार्फत व्यवस्थित करबाक नीति लेने मन्त्री मेहता जानकारी देलैन ।

प्रतिनिधि सभामे दर्ता भेल विधेयकके दफावार परामर्शक क्रममे सदस्यसभ देने सुझाव आ मार्गदर्शनकेँ सकारात्मक रूपमे ग्रहण करबाक प्रतिबद्धता सेहो मन्त्री मेहता व्यक्त केलैन ।

विधेयकसम्बन्धी प्रस्ताव सर्वसम्मतिसँ स्वीकृत भेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय