नापतौलमे अनियमितता करैबला ११ सओ व्यवसायीकेँ कारबाही


जनकपुरधाम, १० फागुनः गुणस्तर तथा नापतौल कार्यालय जनकपुरधाम चालु आर्थिक वर्ष २०८२/८३ के सात महिनामे एक हजार १ सओ ५३ व्यवसायी तथा उद्योगीकेँ कारबाही केलक अइछ । नापतौल इजाजतपत्र बिना अपना हिसाबसँ नापतौल यन्त्रके प्रयोग कएने, उपभोक्ताकेँ ठगने तथा निर्धारण कएल गेल समयमे नवीकरण नै कराबैबलाकेँ कारबाही कएल गेल कार्यालय प्रमुख सुनिल कुमार यादव जानकारी देलैन ।

ओइ अवधिमे कार्यालय ६ सओ २६ व्यवसायीकेँ नयाँ नापतौल इजाजतपत्र तथा एक हजार ३ सओ ९७ व्यवसायीके नापतौल यन्त्रके नवीकरण केलक अइछ । तहिना, अनुगमन, नवीकरण, कारबाही तथा इजाजतपत्र प्रदान कएल गेल बापत २५ लाख ४६ हजार ६०४ राजस्व सङ्कलन भेल कार्यालय प्रमुख यादव जानकारी देलैन ।

बितल आर्थिक वर्षमे ९ सओ १७ टा नयाँ व्यवसायी तथा औद्योगिक प्रतिष्ठानकेँ व्यवसायिक कारोबारक लेल नापतौल यन्त्र संचालन करबाक लेल कार्यालय इजाजतपत्र प्रदान कएने छल । धनुषा, महोत्तरी, सर्लाही, सिन्धुली आ रामेछाप क पाँच जिला कार्यक्षेत्र रहल उक्त कार्यालय ओइ जिलाक व्यवसायीकेँ नयाँ नापतौल इजाजतपत्र प्रदान करैत आएल अइछ । तहिना, कार्यालय पाँच जिलामे नापतौलसम्बन्धी अनियमितता करैबलाकेँ कारबाही करबाक सङे अनुगमन तथा निरीक्षण आ नापतौल यन्त्रके इजाजतपत्र दैत आएल जनौलक अइछ ।

उक्त अवधिमे नापतौलमे ठगी करैबला तथा लम्बा समयसँ नापतौल यन्त्रके नविकरण नै कराबैबला दू हजार ४३ उद्योगी तथा व्यवसायिक फर्मकेँ कारबाही सङे जरिवाना कएल गेल कार्यालय प्रमुख यादव बतौलैन । कारबाहीमे पड़ल व्यवसायी तथा उद्योगीसभ अपना हिसाबसँ ढक तथा तराजु (डिजिटल) नापतौल यन्त्रके प्रयोग कएने भेटलाक बाद जरिवाना करबाक सङे कानुनी दायरामे आनल गेल हुनक कहब छलैन ।

सर्लाहीके लालबन्दी तथा हरिवन नगरपालिका, महोत्तरीके गौशाला, रामेछापके मन्थली नगरपालिका, सिन्धुलीके कमलामाई नगरपालिकामे नापतौल यन्त्रके प्रयोग, नापतौल जरिवाना तथा कानुनी कारबाहीसम्बन्धी चेतनामूलक जानकारी कराएल गेल प्रमुख यादव जानकारी देलैन ।

उक्त अवधिमे कार्यालय एकल अनुगमन २९ बेर, व्यवसायिक फर्मके अनुगमन २ सओ ७२ बेर, संयुक्त अनुगमन १८ बेर तथा व्यवसायिक फार्मके अनुगमन ४ सओ ९९ बेरसहित विभिन्न शिर्षकसँ ५१ लाख एक हजार ९ सओ ६० राजस्व सङ्कलन कएल गेल प्रमुख यादव जानकारी देलैन । आर्थिक वर्ष २०८०/८१ मे कार्यालय ४० लाख ६७ हजार २ सओ ४२ टका राजस्व सङ्कलन कएने छल ।रासस

Imagesourse:nepalnews.com

ताजा खबर
लोकप्रिय