वैदेशिक व्यापारक सात महिनाः नौ खरब पचास अरब घाटा


काठमाण्डू, १० फागुनः चालु आर्थिक वर्षके पहिल सात महिनामे १२ खरब ९१ अरब ६३ करोड़ २० लाख टका बराबरके वैदेशिक व्यापार भेल अइछ ।

भंसार विभाग अनुसार समीक्षा अवधिमे ११ खरब २३ अरब ४८ करोड़ ६२ लाख टकाके आयात आ एक खरब ६८ अरब १४ करोड़ ५८ लाख टका बराबरके निर्यात कएल गेल अइछ । अइ अवधिमे देशके नौ खरब ५५ अरब ३४ करोड़ तीन लाख टका घाटा भेल अइछ ।

भारतसँ बितल सात महिनामे छ खरब २९ अरब २९ करोड़ ५९ लाख टकाके आयात आ एक खरब ३७ अरब ५१ करोड़ ७४ लाख टकाके निर्यात कएलाक बाद देशके चाइर खरब ९१ अरब ७७ करोड़ ५१ लाख टका बराबरके व्यापार घाटा भेल अइछ । चीनसँ दू खरब ३५ अरब ३८ करोड़ २३ लाख टकाके आयात आ ९० करोड़ एक लाख टका बराबरके निर्यात कएलापर दू खरब ३४ अरब ४८ करोड़ २२ लाख टका बराबरके घाटा भेल अइछ ।

विभागद्वारा सार्वजनिक कएल गेल विवरणअनुसार अर्जेन्टिनासँ ६६ अरब ११ करोड़ ६६ लाख टका, संयुक्त अरब इमिरेट्ससँ ३९ अरब ७७ करोड़ ९८ लाख टका, इन्डोनेसियासँ १२ अरब ६४ करोड़ ४५ लाख टका बराबरके व्यापार घाटा भेल अइछ ।

तहिना, रोमानियासँ अइ अवधिमे पाँच करोड़ ५२ लाख टका, नर्वेसँ तीन करोड़ ३३ लाख टका आ आइसल्याण्डसँ दू करोड़ ५७ लाख टका बराबरके व्यापार नाफा भेल अइछ ।

पेट्रोलियम पदार्थके आयात सबसँ बेसी कएल गेल अइछ । अइ अवधिमे ६९ अरब ९१ करोड़ २२ लाख टकाके डिजेल, ३८ अरब १३ करोड़ ८६ लाख टकाके पेट्रोल आ ३१ अरब ८५ करोड़ नौ लाख टका बराबरके खाना बनाबैबला ग्यास आयात कएल गेल अइछ ।

तहिना, ३१ अरब नौ करोड़ १२ लाख टका बराबरके लोहा तथा लोहासँ बनल सामान, २१ अरब ३२ करोड़ ६१ लाख टका बराबरके स्मार्टफोन, ५९ अरब १३ करोड़ ८२ लाख टका बराबरके काँच सोयाबिन तेल, २१ अरब २० करोड़ टका बराबरके सोना आयात कएल गेल अइछ ।

बेसी निर्यात कएल गेल सामानमे सोयाबिन तेल, इलाइँची, कार्पेट लगायत अइछ । जइमे सोयाबिन तेल ६६ अरब ७८ करोड़ ८७ लाख टका बराबरके निर्यात कएल गेल अइछ, तँ इलाइँची आठ अरब ६१ करोड़ २० लाख टका, सूर्यमुखी तेल पाँच अरब ७८ करोड़ टका, कार्पेट पाँच ७१ करोड़ ८८ लाख ६९ हजार टका बराबरके निर्यात कएल गेल विभागक तथ्याङ्क अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय