नौ राजनीतिक दल आ एक हजार २ सओ १३ उम्मेदवारक बैंक खाता खुलल


काठमाण्डू, १२ फागुनः इएह फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे उम्मेदवारी दर्ता करौने तीन हजार ४ सओ ६ प्रत्यक्ष उम्मेदवारमध्ये अखनधैर एक हजार २ सओ १३ गोटे उम्मेदवार बैंक खाता खोलने निर्वाचन आयोग जनौलक अइछ ।

निर्वाचनमे भाग लेने ६८ दलमध्ये नौ दल मात्रे बैंक खाता खोलने अइछ । आइधैर खाता खोलैबला दलसभमे नेपाली कांग्रेस, राष्ट्रिय जनमोर्चा, नेकपा संयुक्त, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा), नेपालका लागि नेपाली पार्टी, जनता समाजवादी पार्टी (जसपा), संयुक्त नागरिक पार्टी, मितेरी पार्टी आ नेपाल जनता संरक्षण पार्टी अइछ । निर्वाचनमे राजनीतिक दल आ उम्मेदवारसभ लेबैबला आर्थिक सहायताके पारदर्शिता आ निर्वाचन कानुन निर्धारण कएने खर्चक सीमाके पालन तथा प्रभावकारी निगरानीके लेल बैंक खाता खोलबाक व्यवस्था कएल गेल आयोगक सहायक प्रवक्ता कुल बहादुर जिसी राससकेँ जानकारी देलैन ।

प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन प्रचारप्रसार बैंक खाता (संचालन तथा व्यवस्थापन) कार्यविधि, २०८२ अनुसार निर्वाचन प्रयोजनक लेल आयोगमे दर्ता भ क समानुपातिक आ प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीके लेल उम्मेदवारी देने सब राजनीतिक दल, दलक उम्मेदवार आ स्वतन्त्र उम्मेदवारकेँ कार्यविधि अनुसार निर्वाचन प्रचारप्रसारक लेल आर्थिक सहयोग ल करैबला आम्दानी खर्च कारोबार ओएह खातामार्फत करबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ । ओएह व्यवस्थाअनुसार दल आ उम्मेदवार खाता खोलने अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय