तीन दिन सार्वजनिक बिदा


काठमाण्डू, १२ फागुनः सरकार इएह फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनमे तीन दिन सार्वजनिक बिदा देबाक निर्णय केलक अइछ ।

सिंहदरबारमे आजुक मन्त्रिपरिषदके बैसारसँ फागुन २०, २१ आ २२ गते सार्वजनिक बिदा देबाक निर्णय कएल गेल सरकारक प्रवक्ता एवम् गृहमन्त्री ओमप्रकाश अर्याल जानकारी देलैन।

निर्वाचन आयोगके सिफारिसअनुसार सरकार तीन दिन बिदा देबाक निर्णय केलक अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय