निर्वाचन सामग्री आ मतपत्र ७५ जिलामे पठाओल गेल


काठमाण्डू, १३ फागुनः इएह फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल ७५ जिलामे निर्वाचन सामग्रीसहित मतपत्र पठाओल गेल अइछ ।

काठमाण्डू आ भक्तपुर बाहेक सब जिलामे मतपत्रसहितक सामग्री पठाएल गेल निर्वाचन आयोग जनौलक अइछ । प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणाली आ समानुपातिक निर्वाचन प्रणाली दिसके मतपत्र ७५ जिलामे पठाएल गेल आयोगक सहायक प्रवक्ता कुल बहादुर जिसी राससकेँ जानकारी देलैन ।

काठमाण्डू आ भक्तपुरके निर्वाचन कार्यालयमे वृहस्पैतदिन निर्वाचन सामग्री आ मतपत्र पठाएल जाएत । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय