काठमाण्डू, १३ फागुन: अइबेरक प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनमे एक लाख ८६ हजार अस्थायी मतदाता कायम भेल अइछ । ई मतदातासभ समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिस निर्धारित मतदानस्थलमे मतदान करए पाएत ।
मतदाता सूचीमे नाम समावेश भेल मुदा निर्वाचनमे खटल वा अन्य कारण निर्धारित मतदानस्थलमे नै जा सकएबला व्यक्तिसभकेँ अस्थायी मतदाता सूचीमे समावेश कएल जाइत अइछ।
नेपाल सरकार, प्रदेश सरकार, स्थानीय तह, सरकारक स्वामित्वमे रहल संस्थामे कार्यरत कर्मचारी, सेना, प्रहरी, कारागारके थुनुवा आ कैदी, निर्वाचनमे लागल कर्मचारी आ सुरक्षाकर्र्मी संवैधानिक निकायक प्रमुख तथा पदाधिकारके नाम अस्थायी मतदाता नामावलीमे समावेश अइछ ।
अस्थायी मतदाताक लेल १४३ मतदानस्थल निर्धारण कएल गेल निर्वाचन आयोगक सहप्रवक्ता कुलबहादुर जिसी राससकेँ जानकारी देलैन अइछ । (रासस)





