काठमाण्डू, १३ फागुनः नेपाल रेडक्रस सोसाइटी संरक्षण (सेफगार्डिङ) प्रणालीकेँ संस्थागत तथा प्रभावकारी बनेबाक उद्देश्यसँ प्रगतिके मध्यावधि समीक्षा केलक अइछ । समीक्षा कार्यकममे महिला, बालबालिका तथा ज्येष्ठ नागरिक मन्त्रालयके उपसचिव अञ्जु ढुङ्गाना महिला तथा बालबालिकाके संरक्षण आ ‘सेफगार्डिङ’ क्षेत्रमे सरकारी नीति तथा कार्यक्रमक बारेमे जानकारी करौलैन ।
रेडक्रसके अन्तर्राष्ट्रिय समिति (आइसिआरसी), रेडक्रस तथा रेडक्रिसेन्ट सोसाइटीसभक महासङ्घ (आइएफआरसी), ब्रिटिस रेडक्रस, अमेरिकन रेडक्रस, फिनिस रेडक्रस, स्वीस रेडक्रस आ डेनिस रेडक्रसलगायत साझेदार राष्ट्रिय सोसाइटी आ नेपाल रेडक्रसके प्रतिनिधि ‘सेफगार्डिङ’ सम्बन्धमे भेल चुनौती आ संरक्षणक क्षेत्रमे जागरण, उजुरी सङ्कलन, समयमे संबोधन आ सहायताक विषयकेँ आबैबला दिनमे प्राथमिकता देबाक चाही से धारणा व्यक्त कएने छलैन ।
नेपाल रेडक्रस ‘सेफगार्डिङ’ कार्यक्रम संयोजक सुभेच्छा मानन्धर संरक्षण आ ‘सेफगार्डिङ’ लक्षित सम्पन्न गतिविधिसभ आ नेरेसो केन्द्र तथा प्रदेशस्तरीय सङ्गठनात्मक मूल्याङ्कनक बारेमे जानकारीके देलाक बाद समूहगत काजसँ ‘सेफगार्डिङ’ प्रणाली सुढृढ़ करबाक लेल रिफरल प्रणाली आ गोप्य सूचनादाताकेँ संरक्षणक विषयमे ध्यान देबाक निस्कर्स निकालल गेल छल ।
आयोजकके दिससँ नेपाल रेडक्रस सोसाइटी संरक्षण, लैङ्गिक तथा समावेशीकरण विभागक निर्देशक दिव्यराज पौडेल विगतके संरक्षण गतिविधिसँ सकारात्मक नतिजा आएल बतौलैन । नेपाल सरकारक एकद्वार सङ्कट व्यवस्थापन केन्द्रके भूमिका महत्त्वपूर्ण रहल उल्लेख करैत नेपाल रेडक्रस सोसाइटी यौन शोषण, दुर्व्यवहार तथा उत्पीडन प्रति शून्य सहनशीलताके नीति अपनौने अइछ । रासस
Imagesourse:nagariknews.nagariknetwork.com





