अन्तर्वार्ता
काठमाण्डू, १३ फागुन: बितल भादबक अन्तिम हप्ताके जेनजी आन्दोलनके बाद गठन भेल वर्तमान सरकारक ‘म्यान्डेट’ प्रतिनिधि सभा सदस्यके निर्वाचन करबाक आ निर्वाचित सरकारकेँ वैधानिक प्रक्रियासँ सत्ता हस्तान्तरण कएल जाएत । ओएह बमोजिम सरकार अपन पहिल प्राथमिकता निर्वाचनकेँ बनौने आ संवैधानिक व्यवस्थाअनुरुप ६ महिनामे निर्वाचन सम्भव भेल छै । इएह फागुन २१ गते होएबला निर्वाचनके आब किछ दिन मात्रे बाँकी अइछ । नेपाल सरकार तथा निर्वाचन आयोग निर्वाचनसम्बन्धी सम्पूर्ण प्रक्रिया पूरा भ चुकल जानकारी देलक अइछ । शान्तिसुरक्षा निर्वाचनके प्रमुख आधार आ आवश्यकता अइछ । नेपाल सरकारक प्रवक्ता सेहो रहल गृहमन्त्री ओम प्रकाश अर्याल बिना कोनो अवरोध, निश्चिन्त आ भयरहित मतदान करबाक नागरिकके अधिकारक सम्मान करैत निर्वाचनमे पूर्ण सुरक्षा प्रबन्ध कएल गेल बतौलैन । विशेष क निर्वाचनके तैयारी आ शान्तिसुरक्षा अवस्थामे केन्द्रित राससके समाचार महाशाखा उपप्रमुख एकराज पाठकद्वारा गृहमन्त्री ओम प्रकाश अर्यालसँ कएल गेल बातचितके सम्पादित अंश:
प्रश्नः आसन्न निर्वाचनके आब किछ दिन मात्रे बाँकी छै । निर्वाचनके तैयारी केहन भ रहल छै ?
– वर्तमान सरकारक पहिल प्राथमिकता आ मुख्य ‘एजेन्डा’ समयमे निर्वाचन सम्पन्न करबाक छै । निर्वाचनके तैयारी युद्धस्तरमे भ रहल छै । निर्वाचन आयोग ९० प्रतिशत काज भेल आ बाँकी काज सेहो पूर्ण होबाक अवस्थामे छै । आब २१ गते मतदान करबाक प्रक्रियागत काज मात्रे बाँकी छै । आन सब तैयारी भ चुकल छै । सुरक्षाके बात करी तँ एकीकृत सुरक्षा योजना बहुत पहिनेसँ लागू भ गेल छै आ ओकरा कुशलतापूर्वक गृह प्रशासन ‘ह्यान्डल’ क रहलासँ सुरक्षाके अवस्था सेहो मजबुत चेल छै । तहिना, सुरक्षासँ राज्यके अन्य आवश्यक स्रोतसाधनसभ सेहो निर्वाचन प्रयोजनक लेल परिचालित भ चुकल छै ।
प्रश्नः नागरिक निश्चिन्तपूर्वक मतदान क सकए तकरा लेल देशक सुरक्षा संयन्त्र कोना परिचालित भ रहल छै ?
–आसन्न निर्वाचनके लेल नेपाल सरकार सुरक्षा व्यवस्था मजबुत बनौने छै । तइ हमसभ मतदाताकेँ निश्चिन्तपूर्वक मतदान करबाक लेल आग्रह करैत छी । हम पहिने कहलौँ जे सरकारक प्रमुख प्राथमिकता निर्धारित समयमे निर्वाचन सम्पन्न करबाक छै । तइ निष्पक्ष निर्वाचनके लेल अपरिहार्य मानल गेल सुरक्षा व्यवस्था चुस्त आ प्रभावकारी बनाएल गेल छै । सरकार निर्वाचन प्रहरी छनौट करबाक, नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी, राष्ट्रिय अनुसन्धान विभागक कर्मचारी खटेबाक आ पहिनेसँ एकीकृत सुरक्षा योजना लागू क ओएह बमोजिम सुरक्षा संवेदनशीलताके आधारमे देशभैर सुरक्षा व्यवस्थाकेँ सुदृढ़ आ सबल बनाएल गेल छै । निर्वाचनसम्बन्धी कमान्ड पोष्ट केन्द्र प्रदेश तथा जिलास्तरमे रहि काज क रहल छै । एकीकृत सुरक्षा योजना परिकल्पना कएने संयन्त्रसभमार्फत ओएह बमोजिम निर्वाचन सेलसभ सेहो परिचालन कएल गेल छै, तँ गृह प्रशासन सब दिन अवस्था, आवश्यकता आ चुनौतीसभक विश्लेषण करैत सुरक्षाकेँ केन्द्रमे राइख क काज क रहल छै । अन्य सरोकारवालासभ राजनीतिक दल, उम्मेदवार, मिडियाजगत्, निर्वाचन आयोग, सरकारक अन्य निकायसभसँ सेहो हमरासभ निरन्तर समवंय आ सहकार्य भ रहल छै ।
प्रश्नः बितल समय सुरक्षा अवस्था बिगारैबला किछ घटनासभ सेहो भेल छै । ओइसँ निर्वाचनकेेँ कि असर करत ?
– अखन देशक किछ भू–भागमे भेल झड़प लगायतक घटनासँ निर्वाचनकेँ कोनो असर नै हएत । ओ घटनासभ नियन्त्रणमे छै आ चुनावकेँ असर नै होए तइ हिसाबसँ गृह प्रशासन व्यवस्थापन आ समाधान क रहल छै । एहन घटनाकेँ उत्पन्न होबएसँ पहिने आ उत्पन्न भेलाक बादो हमसम सम्बोधन क रहल छी । हमरासभ पूर्वसूचना आ रोकथामक चरणमे बेसी मेहनत करबाक आ ओकरा सम्बोधन करबाक काज क रहल छी । सकभैर संवादसँ समाधान खोजबाक काज क रहल छी । अन्य आवश्यक रणनीति अपनौने आ समयमे समाधान करबाक काज सेहो भ रहल छै ।
प्रश्नः बितल भादबक जेनजी आन्दोलनक क्रममे भागल कैदीबन्दी आ लुटल गेल हतियारसभ सुरक्षाक चुनौती रहल लोकसभ कहैत छैथ । केहन अवस्था छै ?
– ई पैघ चुनौती नै छै । बितल भादब जेनजी आन्दोलनक क्रममे भागल कैदीबन्दी एवं लुटल गेल हतियारसभ आब सुरक्षा चुनौतीके रुपमे नै छै से स्पष्ट करैत छी । अधिकांश हतियार आ फरार भेल कैदीबन्दी फिर्ता भ गेल छै । जे जते बाहर छै ओकरासभकेँ सेहो फिर्ता करबाक लेल काज भ रहल छै । सबदिस सुरक्षाकर्मी परिचालित छै आ सरोकारवालासभ सेहो अपने सक्रिय छैथ । फरार भेल कैलीबन्दीसभ बाहर जा क फेरसँ अपराध कएने तथा लुटल गेल हतियार प्रयोग कएने सूचना अखनधैर प्राप्त नै भेल छै । तइ आब असुरक्षाके कोनो भय नै छै ।
प्रश्नः निर्वाचनके दू दिन पहिने मधेशमे होली पाबैन छै । होलीके कारण फागुन २१ गते मधेशमे मतदाता तैयार नै होबाक या शान्तिस्थिति बिगैर सकबाक ओइ ठाम नागरिकसभक कहब छै । अइ विषयमे गृह प्रशासनके तैयारी केहन छै ?
– तराईके होली पाबैन निर्वाचनके लेल कोनो सुरक्षा या अन्य चुनौती नै छै । अइ विषयमे हमरासभ प्रदेश सरकार, स्थानीय पालिकाके प्रमुखसभ आ अन्य सरोकारवालासभसँ सेहो समवंय क पाबैन आ चुनावकेँ एकसाथ ल जेबाक विषयमे उपायसभ पता लगेबाक काज भ रहल छै । होली एकटा सांस्कृतिक, धार्मिक पाबैन छै, ओकरा सरकार आवश्यकताबमोजिम थप सहजीकरण करतै आ निर्वाचन सेहो सम्पन्न हएत । एकरा सहजीकरण करबाक लेल सार्वजनिक बिदा बढ़ा क पहिनेसँ बेसी हर्षाेल्लासपूर्ण, शांतिपूर्ण आ सुसंस्कृत हिसाबसँ होली मनेबाक वातावरण बनाओत ।
प्रश्नः अइ बेरक निर्वाचनमे सरकारकेँ कोन स्वरुपमे वैदेशिक सहायता प्राप्त भेल छै ?
– ई सरकार गठन भेल समयसँ मित्रराष्ट्रसभ, संयुक्त राष्ट्रसङ्घीय निकायसभ बधाइ तथा शुभकामना देने छल । ओइके बाद निर्वाचन सम्पन्न करबाक लेल आवश्यक अन्य सहयोग, आर्थिक सहयोगलगायत भौतिक सहयोग नेपालकेँ मित्रराष्ट्रसभ प्रस्ताव कएने छल । ओइमध्ये आवश्यक सहयोग नेपाल सरकार विभिन्न मित्रराष्ट्रसँ प्राप्त कएने छै । अइ चुनावमे अन्तर्राष्ट्रिय समुदाय एवं मित्रराष्ट्रसभक बेसी सहयोग आ सदासयता छै ।
प्रश्नः भादबक जेनजी आन्दोलनक बादसँ ६ महिनामे निर्वाचनकेे अवस्थार अनबाक कोना सम्भव भेल ? कम समयमे निर्वाचन कोना सम्भव भेल ?
– भादबक अन्तिम हप्ताके अवस्था कानुनी राज्यविहीनताके छल । ओइ समयमे विधिके शासन काज नै करैत छल । देशमे डर–त्रास छल आ एक प्रकारक अराजकता देशमे उत्पन्न भेल अवस्था छल । अदालतसँ ल क कानुनी राज्यक संयन्त्रसभ काज करबाक बन्द भेल छल । देशक सुरक्षा निकायसभकेँ काज करबाक लेल असहज अवस्था छल । कानुनी राज्यविहीनताके अवस्थासँ हमरासभ कानुनी राज्यक बहालीके अवस्थामे आनने छी । हमरासभक रणनीतिक कोनो हालतमे द्वन्द्व नै दोहरेबाक आ स्थिति सामान्यीकरण बनेबाक छल । विद्रोह बादके सरकार भेलासँ सुशासन देबाक चाही से बुइझ क हमरासभ सुशासनमे केन्द्रित भेलौँँ ।
सरकारप्रति नागरिक समाज, राजनीतिक दल आ सब सरोकारवालासभ विश्वास केनाइ सुरु कएलाक बाद आब सरकारक प्रमुख ‘म्यान्डेट’ निर्वाचनके लेल हमरासभक अर्जुनदृष्टि छल । जखन कानुन काज करबाक सुरु केलक तखन सब राजनीतिक दल तथा सरोकारवालासभक सहमतिके माध्यमसँ सबकेँ निर्वाचनमे जेबाक लेल तैयार करबाक लेल ई सरकार मेहनत केलक । निर्वाचन सफल बनेबाक काजकेँ अर्जुनदृष्टि दैत ई सम्भव भेल । तइ एहन असहज परिस्थितिमे सेहो समयमे सम्पन्न होबए लागल आसन्न निर्वाचनकेेँ विश्व देख रहल छै से हमरा लाइल रहल अइछ । विशेष क हमरासभ अर्थात् देशमे भेल विद्रोहक बाद बनल सरकार देश, मानवता आ संविधानक रक्षाके लेल केन्द्रित भ क काज कएने छलौँ । तइ ई अवस्था उत्पन्न भेल से हमरा लाइग रहल अइछ ।
प्रश्नः निर्वाचनके आब बेसी दिन बाँकी नै छै । मुदा, अखनो किछ मिडिया, सामाजिक सञ्जाल या व्यक्तिसभसँ समयमे निर्वाचन होबाक विषयमे संशय व्यक्त भ रहल अवस्थाके बारेमे की कहए चाहैत छी ?
– देखु, फागुन २१ गतेके निर्वाचन निर्धारित मितिमे सम्पन्न नै करबाक छुट अइ सरकारकेँ कदापि नै छै । ई सरकार विशेषतः चुनावी सरकार भेलाक कारण ओएह बमोजिम निर्वाचनकेेँ पहिल प्राथमिकतामे राइख क काज कएने छै । संविधान संसद् विघटन भेल ६ महिनामे चुनाव करबाक व्यवस्था कएने कारण सरकार या आन कियो अइ चुनावसँ भागब या पाछु हटबाक सम्भव नै छै । देश एक प्रकारक राष्ट्रिय सुरक्षा सङ्कटके लग पहुँचल अवस्थासँ आजुक निर्वाचनके अवस्थाधैर आनब वर्तमान सरकारक सामान्य काज नै छल । तइ सबके अइ निर्वाचनके मह्त्त्वकेँ बुझबाक चाही ।
जे कियो निर्वाचन आगु करबाक परिभाषा स्थापित करत आ ओइ प्रकारक परिस्थिति निर्माण करए चाहत ओहन प्रवृत्तिकेँ देशक राज्य संयन्त्र निस्तेज बनाओत आ ओइ लेल सरकार जनताके साथ आ सहयोगसँ आगु बढ़त । ई सरकार संवैधानिक खालीपनकेँ परिपूर्ति करबाक आ संवैधानिक व्यवस्थाकेँ पूर्ण रुपमे बहाली करबाक प्रयोजनसँ आएल सरकार छै ।
दोसर बात ई सरकार विधिके शासन बहाली करबाक, सुशासन बहाली करबाक, जनताकेँ देबैबला सेवा प्रवाहक अवस्थाकेँ आओर सुदृढ़ करबाक आ जनताके मन जीतबाक लेल सरकार आगु बढ़ल छै । सरकार कोनो शासक नै सहजकर्ताके रुपमे राज्यस्तरमे समवंयात्मक रुपमे काज क रहल छै । आब मतदानक दिन लगचियाएलासँ जनता निश्चिन्त भ क मतदान करए सकत । निर्धारित समयमे निर्वाचन सम्पन्न क निर्वाचित सरकारकेँ प्रजातान्त्रिक ढंगसँ सत्ता हस्तान्तरण करबाक लेल हमसभ काज क रहल छी ।
प्रश्नः अन्तमे, निर्वाचनके आब किछ दिन मात्रे बाँकी भेल समय गृहमन्त्रीके हैसियतसँ सब नेपाली नागरिककेँ की सन्देश देबए चाहैत छी ?
– ई नागरिक सरकार छै, तइ निष्पक्ष सरकार छै । ई सरकार पहिनेसँ आओर बेसी निष्पक्ष आ गुणस्तरीय चुनाव करेबाक चाही । स्वतन्त्र ढङ्गसँ, निष्पक्ष आ भयमुक्त रुपमे ई सरकार निर्वाचन सम्पन्न कराओत । ओइ लेल आवश्यक सब पूर्वाधारसभ तैयार क चुकल छी । अखन कानुन कार्यावंयन करए, विधिके शासन बहाली करए आ सुशासन बहाली करबाक लेल अइ सरकारकेँ आसान भेल छै से हमरा लाइग रहल अइछ । किएक तँ अइ ठाम कोनो दलीय दबाब या बाध्यतामे काज नै भ रहल छै । तइ निश्चिन्तपूर्वक मतदान करए आ अपन क्षेत्रसँ असल प्रतिनिधि चयन करबाक लेल हम सबकेँ आग्रह करैत छी । अइ बेर हमरासभ गुणात्मक आ सुदृढ़ सुरक्षा उपलब्ध कराएब । निर्वाचनके समयमे शांतिसुरक्षाके कोनो द्विविधा नै लेबाक आ पूर्णतया शान्तिके महसुस करबाक लेल हम सब नेपालीसँ आग्रह करैत छी । हमरासभ निर्वाचनमार्फत् संवैधानिक खालीपनके पूर्ति करबाक लेल निर्वाचित सरकारकेँ जल्दीसँ जल्दी सत्ता हस्तान्तरण करबाक लेल आतुर छी । तइ निर्वाचनमे सक्रिय रुपमे सहभागी होबाक लेल सबकेँ आग्रह अइछ । रासस





