महोत्तरी, १५ फागुनः निर्वाचन सुरक्षा प्रयोजनसँ नेपाल–भारत सीमा क्षेत्रक आवागमन बन्द भेलाक बाद मिथिला माध्यमिकी परिक्रमाक भारतीय यात्रीकेँ घर घुरबाक लेल सहज व्यवस्थापन कएल जाएत ।
इएह फागुन २१ गते सम्पन्न होएबला प्रतिनिधि सभा निर्वाचनमे सुरक्षा प्रयोजनसँ सीमानाकाके आवागमन इएह सोमदिन (फागुन १८ गते) मध्यराइतसँ वृहस्पैतदिन (फागुन २१ गते)धैर बन्द कएलाक बादो परिक्रमाक भारतीय यात्रीकेँ घर घुरबाक लेल सहजीकरण करबाक जिला प्रशासन कार्यालय जनौलक अइछ ।
परिक्रमामे सहभागी भारतीय यात्रीकेँ अगिला मङ्गलदिन (फागुन १९ गते) दुपहरसँ बुधदिन दुपहरधैर घर घुरबाक लेल सीमानाकामे खटल सुरक्षाकर्मी सहजीकरण करत से प्रमुख जिला अधिकारी इन्द्रदेव यादव बतौलैन । सीमानाका बन्द कएलाक बाद ओइ अवधिमे यात्रीकेँ घुरबाक लेल (भारतदिस जेबाक) सहजीकरण करबाक जिला प्रशासन कार्यालय स्पष्ट केलक अइछ । निर्वाचनमे सुरक्षा प्रयोजनसँ सीमा नाका बन्द कएलाक बाद भारतीय यात्री कोना घर घुरत से चिन्ता व्यक्त कएल गेल छल ।
“भारतीय यात्रीकेँ घर घुरबाक लेल धनुषाक जयनगर आ जटही तथा महोत्तरीके मटिहानी आ भिठ्ठामोर मुख्य नाका छै । अइ नाका होइत घुरबाक लेल सुरक्षाकर्मीद्वारा सहजीकरण करबाक व्यवस्था मिलाएल गेल छै”, प्रजिअ यादव कहलैन, “अइ लेल महोत्तरी आ धनुषा दूनु जिलाक जिला प्रशासन कार्यालयके समवंयमे व्यवस्था कएल गेल छै ।”
१५ दिनक परिक्रमाके यात्री अन्तिम दिनक रात्रि विश्रामक लेल सोमदिन जनकपुर पहुँचत । मङ्गलदिन भोर जनकपुरधामक अन्तरगृह (पञ्चकोसी) परिक्रमा कएलाक बाद मात्रे यात्रा सम्पन्न हएत । मङ्गलदिन दुपहरधैर परिक्रमा सम्पन्न भेलाक बाद बुधदिन दुपहरधैर भारतीय यात्रीकेँ घर घुरबाक लेल सहजीकरणक व्यवस्था मिलाएल जिला प्रशासन कार्यालय जनौलक अइछ । परिक्रमा यात्रामे उल्लेख्य सङ्ख्यामे भारतीय साधुसन्त आ सर्वसाधारणक सहभागीता अइछ । रासस





