निष्पक्ष आ भयमुक्त वातावरणमे निर्वाचन सम्पन्न हएतः गृहमन्त्री अर्याल


काठमाण्डू, १५ फागुनः गृहमन्त्री ओम प्रकाश अर्याल इएह फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन स्वच्छ, निष्पक्ष आ भयमुक्त वातावरणमे सम्पन्न होबाक बतौलैन अइछ ।

दोलखाके बैतेश्वर गाउँपालिकास्थित मतदान केन्द्रक आइ निरीक्षण तथा अनुगमनक क्रममे ओ विगतमे भेल कमजोरीकेँ सचियाबैत अइ बेरक निर्वाचन स्वच्छ, निष्पक्ष धाँधलिरहित बनेबाक बतौलैन । निश्चिन्त आ शान्तिपूर्वक निर्वाचन कराबएजका वातावरण बनेबाक लेल सम्बद्ध अधिकारीकेँ मन्त्री अर्याल निर्देशन सेहो देलैन ।

निरीक्षणक बाद आयोजित कार्यक्रममे ओ सामाजिक सञ्जालमे चलाएल जाएबला गलत, मिथ्या आ दुष्प्रचारक सूचना तथा खबरसभसँ सचेत होइत अपन–अपन निर्वाचन क्षेत्रक तैयारीमे जुटबाक लेल सम्बन्धित सब पक्षकेँ आग्रह केलैन ।

आइ भोर गृहमन्त्री अर्याल, कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त राम प्रसाद भण्डारीसहितक टोली गाउँपालिकाके मतदान केन्द्रक अनुगमन सङे निर्वाचन सुरक्षाकेँ बारेमे परामर्श सेहो केलक अइछ ।

अनुगमन टोलीमे सशस्त्र प्रहरी महानिरीक्षक राजु अर्याल, नेपाली सेनाक बलाधिकृत रथी प्रदिपजङग केसी, प्रहरी अतिरिक्त महानिरीक्षक गणेश ठाडा मगर, गृह मन्त्रालयके प्रवक्ता आनन्द काफ्ले, सह–प्रवक्ता रमा आचार्य, प्रहरी नायब महानिरीक्षक विष्णु भट्ट, प्रमुख निर्वाचन अधिकृत राम प्रसाद न्यौपाने, दोलखाके प्रमुख जिला अधिकारी हरि प्रसाद घिमिरे, बैदेश्वर गाउँपालिकाके अध्यक्ष छवि लामालगायत सहभागी छलैन ।

सह–प्रवक्ता आचार्यके कहब अनुसार परामर्शमे वि.सं. २०७९ के स्थानीय निर्वाचन आ प्रतिनिधि सभा निर्वाचनक बारेमे जानकारी लेबाक सङे प्रतिनिधि सभाके निर्वाचन सुरक्षा योजनाके बारेमे जानकारी देल गेल छल । विगतमे मतदान केन्द्रमे भेल संवेदनशीलता आ समस्याकेँ ध्यान दैत अखन विभिन्न नाकामे कड़ाइ कएल गेल अइछ ।

ओइ अवसरमे कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त भण्डारी निर्वाचनकेँ निष्पक्ष, भयमुक्त वातावरणमे सम्पन्न करबाक लेल सब सरोकारवालासभसँ सक्रिय सहभागिताके लेल आग्रह केलैने । विगतक निर्वाचनक संवेदनशीलताकेँ ध्यानमे राइख निर्वाचन तैयारी, सम्भावित समस्याके पहिचान क निर्वाचनसँ पहिनेके काज आ निर्वाचन सुरक्षाकेँ सुनिश्चित करबाक लेल ओ आग्रह केलैन ।

प्रमुख निर्वाचन अधिकृत न्यौपाने निर्वाचनक विद्यमान अवस्थाक बारेमे जानकारी दैत सुरक्षा निकाय बीच समवंय भ रहल आ विगतके मतदानमे अवरोध करैबलापर निगरानी बढ़ाएल गेल बतौलैन । प्रमुख जिला अधिकारी घिमिरे जिलाक निर्वाचन अवस्थाके बारेमे जानकारी करौने छलैन । सशस्त्र प्रहरी महानिरीक्षक थापा जिलाक सुरक्षा बारेमे जानकारी देलैन ।

बैदेश्वर गाउँपालिकामे आठ मतदानस्थल, २१ मतदान केन्द्र कायम कएल गेल अइछ, तँ मतदाता सङ्ख्या १८ हजार ४ सओ २२ अइछ । ओइ क्षेत्रमे ९० सँ ९५ प्रतिशत मत खसैत अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय