मधेश प्रदेशमे ४ सओ ८१ टा इजाजत प्राप्त हतियार जिमा लगाएल गेल


जनकपुरधाम, १५ फागुनः प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनकेँ लक्षित करैत जारी कएल गेल सूचनाअनुसार मधेश प्रदेशमे ४ सओ ८१ टा हतियार (बन्दुक) जिमा लागएल गेल अइछ ।

मधेश प्रदेश प्रहरी कार्यालय, जनकपुरधामके अनुसार निर्वाचनकेँ स्वतन्त्र आ भयमुक्त वातावरणमे सम्पन्न करबाक लेल प्रदेशअन्तर्गतके जिला प्रशासन कार्यालय जारी कएने सूचनापश्चात् अखनधैर उक्त सङ्ख्यामे हतियार प्राप्त भेल अइछ ।

अइ ठामक आठ जिलामे विभिन्न व्यक्ति दू हजार ५ सओ ३१ टा इजाजत प्राप्त हातहतियार लेने तथ्याङ्क भेलाक बाद अखनधैर ४ सओ ८१ टा मात्रे प्राप्त भेल कार्यालय जनौलक अइछ । अखनो दू हजार ५० टा हतियार जिमा लगेबाक बाँकी अइछ ।

स्थानीय प्रशासन लगके प्रहरी इकाइ या जिला प्रहरी कार्यालयमे हतियार जिमा लगेबाक लेल सूचना कएने छल । रासस

सांकेतिक तस्बिर

ताजा खबर
लोकप्रिय