काठमाण्डू, १७ फागुनः निर्वाचन आयोग प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक दिन विभिन्न सवारीसाधनकेँ कोनो प्रकारके पास आवश्यक नै पड़त से स्पष्ट केलक अइछ ।
सवारीसाधन सञ्चालनसम्बन्धी व्यवस्थापनकेँ प्रभावकारी, व्यवस्थित आ अत्यावश्यक सेवामैत्री बनेबाक लेल सवारीसाधनके अनुमतिसम्बन्धी कार्यविधि, २०८२ अनुरुप पास आवश्यक नै पड़त से आयोग उल्लेख केलक अइछ । आयोगसँ नेपाल सरकारकेँ देहायबमोजिमके सम्बन्धित प्रयोगकर्ता मात्रे प्रयोग करएबला आ असम्बन्धित यात्री नै राखैबला सवारीसाधनकेँ पास आवश्यक नै पड़त से व्यवस्था मिलेबाक लेल सिफारिस कएल गेल अइछ ।
निर्वाचनक दिन दमकल, एम्बुलेन्स, शववाहन, खानेपानीक ट्याङ्कर, दूध, फलफूल, तरकारी, माछामासु, पेट्रोलियम पदार्थ ढोएबला सवारीसाधन, दूरसञ्चार सेवा, खानेपानी, विद्युत्, ढल मर्मतक लेल प्रयोग होएबला, अस्पताल सेवाक सवारीसाधन (अस्पतालक चिकित्सक आ स्वास्थ्यकर्मीकेँ घरसँ अस्पताल आ अस्पतालसँ घरधैर आवतजावत करए लेल) पासके आवश्यकता नै पड़त ।
अन्तर्राष्ट्रीय तथा आन्तरिक हवाई सेवाक यात्री ढोएबला (विमानस्थलसँ घर वा होटलधैर आ घर वा होटलसँ विमानस्थलधैर) सवारीसाधनकेँ पासक आवश्यकता नै पड़त से आयोग जनौलक अइछ । एहिना, अशक्त गर्भवती, परसौती, साथमे अपन बच्चा कोरामे लेल महिला, किरियापुत्री, शारीरिक रूपसँ अशक्त वा अपाङ्ग भेल व्यक्ति, ज्येष्ठ नागरिक वा मतदाता आ हुनकर एक गोट सहयोगी ढोएबला सवारीसाधनके पासके आवश्यकता नै पड़त से आयोग जनौलक अइछ ।
तहिना, नम्बर प्लेटमे सिडी (CD) उल्लेख भेल कूटनीतिक नियोगक सवारीसाधन, आयोगसँ जारी भेल पर्यवेक्षक परिचयपत्रवाहक पर्यवेक्षणकर्ताद्वारा प्रयोग कएल जाएबला सवारीसाधन (ओहि परिचयपत्रमे उल्लेख भेल स्थानमे मात्रे), राष्ट्रिय मानव अधिकार आयोगसँ अनुगमन/पर्यवेक्षणक लेल प्रयोग होएबला सवारीसाधन आ प्रेस पास भेल सञ्चारकर्मीक सवारीसाधनक लेल सेहो पासके आवश्यकता नै पड़त से आयोग जनौलक अइछ ।
निर्वाचन आयोग, गृह मन्त्रालय आ जिला प्रशासन कार्यालय, काठमाण्डूके प्रतिनिधि रहल एकीकृत सवारीसाधन आवागमन डेस्क निर्वाचन आयोग परिसरमे स्थापना भ जिला प्रशासन कार्यालय काठमाण्डू, भक्तपुर आ ललितपुरसँ जारी कएल जाएबला सवारी पास सेहो ओएह डेस्कसँ जारी भ रहल अइछ ।रासस





