ईरान सङ्कट बढ़ल, खामेनीईकेँ मृत्यु पुष्टि


पेरिस, १७ फागुनः संयुक्त राज्य अमेरिका आ इजरायलद्वारा ईरानमे कएल गेल आक्रमणके बाद मध्यपूर्वमे तनाव बढ़ल अइछ । आक्रमणके क्रममे ईरानक सर्वोच्च नेता आयतोल्लाह अली खामेनीईके मृत्यु भेल अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प घोषणा केलैन अइछ, तँ ईरानी सरकारी टेलिभिजन सेहो रैबदिन ओइके पुष्टि केलक अइछ ।

शैनदिन भोर सुरु भेल अमेरिका–इजरायलक संयुक्त सैन्य अभियानमे तेहरानसहित विभिन्न स्थानक रणनीतिक लक्ष्यसभमे प्रहार कएल गेल । इजरायली सेना २ सओ लड़ाकू जेट परिचालन क ५ सओसँ बेसी आक्रमण कएल गेल दाबी केलक अइछ ।

अमेरिकी राष्ट्रपति ट्रम्प अपन ट्रुथ सोसल सञ्जालमार्फत आसन्न खतरासभ उन्मूलन करबाक लेल अभियान सुरु कएल गेल उल्लेख करैत आवश्यक भेलाधैर भारी आ सटीक बमबारी जारी रहबाक बतौलैन । खामेनीईकेँ ‘इतिहासके सबसँ दुष्ट व्यक्तिमध्ये एक’ कहैत हुनक मृत्यु भेल ओ घोषणा केलैन । ओइके किछ घण्टा बाद इरानी राज्य टेलिभिजन कारी ब्यानरसहित अभिलेख दृश्य प्रसारण करैत खामेनीईके निधन भेल पुष्टि केलक अइछ । खामेनीईके निधन भेलाक बाद इरानमे ४० दिनक राष्ट्रिय शोक आ सात सार्वजनिक बिदाके घोषणा कएल गेल अइछ ।

इरानी सञ्चारमाध्यम खामेनीईके बेटी, जमाए आ नातिनके सेहो मृत्यु भेल जनौलक अइछ ।

इरानक न्यायपालिका मिनाबस्थित एक बालिका विद्यालयमे शैनदिन भेल आक्रमणमे १ सओ ८ गोटेके मृत्यु भेल अइछ ।

खामेनीईके मृत्यु भेलाक बाद ईरान सेहो जवाबी आक्रमण सुरु केलक अइछ । संयुक्त अरब इमिरेट्स, आबु धाबीमे एक पाकिस्तानी नागरिकसहित दू गोटेके मृत्यु भेल जनौलक अइछ, तँ अपन भू-भागमे १ सओ ३७ मिसाइल आ २ सओ ९ ड्रोन प्रहार कएल गेल दाबी केलक अइछ ।

तहिना, साउदी अरबके रियाद, मनामा आ कतराक दोहामे सेहो विस्फोटके आवाज सुनाएल एएफपीके संवाददातासभ जनौलक अइछ । रासस/एएफपी

ताजा खबर
लोकप्रिय