काठमाण्डू, १७ फागुनः भूमि व्यवस्था, सहकारी तथा गरिबी निवारण एवम् शहरी विकासमन्त्री कुमार इङ्नाम सरकारक पूरा ध्यान निर्वाचनमे केन्द्रित भेल बताैलैन अइछ ।
प्रेस काउन्सिल नेपाल ‘मौन अवधि आ मिडिया’ शीर्षकमे आइ एत आयोजित कार्यक्रममे ओ शान्तिपूर्ण रुपमे निर्वाचन सम्पन्न करेबाक लेल सुरक्षाक सुदृढ प्रबन्ध भेल बतौलैन ।
कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त रामप्रसाद भण्डारी राज्य आ समाजप्रति उत्तरदायी भ निर्वाचनमैत्री वातावरण बनाबए आमसञ्चारजगत्केँ आह्वान केलैन ।
ओ कहलैथ, “समग्रमे स्वच्छ, स्वतन्त्र आ निष्पक्ष निर्वाचनक लेल सञ्चार क्षेत्रसँ सहयोग भ रहल अइछ । मौन अवधिक बारेमे आ निर्वाचन आचारसंहिताके पालनमे आओर बेसी सहयोगके अपेक्षा निर्वाचन आयोग केलक अइछ ।”
कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त भण्डारी मौन अवधिमे कोनो उम्मेदवार निर्वाचन आचारसंहिता विपरीत आर्थिक क्रियाकलाप कएलापर उम्मेदवारी खारेजीसँ छ सालधैर निर्वाचनमे सहभागी नै कराएल जेबाक कानुनी व्यवस्था रहल जानकारी देलैन अइछ ।
प्रेस काउन्सिल नेपालके अध्यक्ष कुमार शर्मा आमसञ्चार माध्यमके हकअधिकारके प्रवर्धन तथा पत्रकार आचारसंहिताके परिपालनाक लेल काउन्सिलक भूमिकाके बारेमे जानकारी देलैन ।
नेपाल पत्रकार महासङ्घक अध्यक्ष निर्मला शर्मा विशेष परिस्थितिमे भ रहल निर्वाचनक लेल सब सञ्चारकर्मी संवेदनशील अपनबैत सफल बनेबाक लेल सहयोग करबाक चाही बतौलैन।
अइ बेरक निर्वाचनमे ९६ लाख ६३ हजार ३५८ पुरुष, ९२ लाख ४० हजार १३१ महिला आ २०० अन्य क एक करोड़ ८९ लाख तीन हजार ६८९ मतदाता छैथ । तहिना, एक लाख ८६ हजार १४२ अस्थायी मतदाता कायम भेल आयोग जनौलक अइछ । रासस





