काठमाण्डू, १७ फागुनः प्रहरी महानिरीक्षक दान बहादुर कार्की निर्वाचनकेँ राष्ट्रिय सङ्कल्पक रूपमे लैत ओकरा भयमुक्त वातावरणमे सफलतापूर्वक सम्पन्न करेबाक लेल सब प्रहरी कर्मचारीकेँ सामूहिक जिमेवारीबोधसँ कार्यक्षेत्रमे जुटबाक लेल बतौलैन अइछ ।
निर्वाचन होबएसँ पहिने, निर्वाचनक समय आ निर्वाचनक बाद अपनाबैबला सुरक्षा सतर्कता तथा समसामयिक विषयमे आइ श्रव्यदृश्य माध्यमद्वारा प्रहरी कर्मचारीसभकेँ निर्देशन दैत ओ राष्ट्रप्रतिके अपन दायित्व नै बिसरबाक लेल ओ निर्देशन देलैन ।
तहिना, सुरक्षा संवेदनशीलताकेँ विश्लेषण करैत रणनीतिसहित कार्यक्षेत्रमे परिचालन होबाक लेल ओ निर्देशन देलैन । विश्वसनीय सुरक्षा योजना अवलम्बन करैत अन्य सुरक्षा निकायसँ निरन्तर समवंय आ सहकार्य करबापर प्रहरी महानिरीक्षक कार्की जोड़ देलैन ।रासस





