काठमाण्डू, १८ फागुनः निर्वाचनक महत्त्व आ मतदान प्रक्रियाके बारेमे जानकारी करेबाक आ बदर मत कम करबाक उद्देश्यसँ निर्वाचन आयोगद्वारा देशभैर सञ्चालित मतदाता शिक्षा कार्यक्रम सम्पन्न भेल अइछ ।
आयोग देशभैरके ६ हजार ७ सओ ४३ ओ वाडमे मतदाता शिक्षा कार्यक्रम सञ्चालन कएने छल । आयोगके स्वीकृत कार्यक्रमअनुसार इएह फागुन ३ गतेसँ सुरु भेल मतदाता शिक्षा देशभैरके ७ सओ ५३ स्थानीय तहके सब वाडमे रैबदिन सम्पन्न भेल अइछ । हरेक वाडमे मतदाता शिक्षा कार्यक्रमके लेल मतदाता शिक्षा स्वयंसेवक परिचालन कएल गेल छल ।
निर्वाचन आयुक्त डा. जानकी कुमारी तुलाधर मतदाताके घर आँगनमे पहुँचए सकबाक आ आमनागरिक बीच नीक चिनजान भेल इमान्दार स्वयंसेवकके कारण ई कार्यक्रम भव्य रुपमे सम्पन्न भेल बतौलैन अइछ । महिला स्वास्थ्य स्वयंसेविकाके योगदानक प्रशंसा करैत ओ लक्षित कार्यक्रम सफल भेल उल्लेख केलैन ।
मतदाता शिक्षा प्रदान करबाक लेल स्वास्थ्य स्वयंसेविकाकेँ २०७९ के आम निर्वाचनसँ जिमा देबाक सुरु कएल गेल छल । अइ बेर सेहो अइ प्रयोजनक लेल ओकरासभकेँ जिमेवारी देल गेल छल ।
आममतदाताके बस्ती आ घर आँगनमे जा क नमूना मतपत्रके माध्यमसँ निर्वाचनक महत्त्व आ मतदान प्रक्रियाके बारेमे जानकारी देल गेल आयोग जनौलक अइछ । मतदाता शिक्षा कार्यक्रम प्रयोजनक लेल आयोग स्थानीय तहमे अइसँ पहिने तोकने सम्पर्क व्यक्तिकेँ निर्वाचन मतदाता शिक्षा कार्यक्रमके अनुगमनकर्ता निर्धारण क अभिमुखीकरण सेहो कएने छल । मतदाता शिक्षा सम्पन्न क स्वयंसेवकसभ आयोगमे प्रतिवेदन बुझाओत । रासस





