काठमाण्डू, १९ फागुनः निर्वाचन आयोग इएह फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनमे एक उम्मेदवारके उम्मेदवारी खारेज केलक अइछ ।
धनुषा जिला निर्वाचन क्षेत्र नं १ मे राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) सँ उम्मेदवारी देनिहार किशोरी साह ‘कमल’के उम्मेदवारी आयोग खारेज केलक अइछ । प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचन ऐन, २०७४ के दफा १३ के खण्ड (ज) बमोजिम साहके उम्मेदवारी अयोग्य रहल आयोगक सहायक प्रवक्ता कुलबहादुर जिसी राससकेँ जानकारी देलैन अइछ ।
निर्वाचन आयोग ऐन, २०७३ के दफा ९ के उपदफा (५) बमोजिम साहके उम्मेदवारी खारेज भेल प्रवक्ता जिसी बतौलैन । (रासस)





