शान्ति सैनिकके सुरक्षामे नेपालक जोड़


काठमाण्डू, २८ फागुनः पश्चिम एसियामे जारी तनावप्रति चिन्ता व्यक्त करैत सरकार शान्ति सैनिकके सुरक्षामे जोड़ देलक अइछ ।

न्युयोर्कस्थित संयुक्त राष्ट्र सङ्घके लेल नेपालक स्थायी नियोग अनुसार लेबनानमे कार्यरत संयुक्त राष्ट्रसङ्घीय अन्तरिम फौजके सुरक्षा सुनिश्चित होबाक चाही तइपर नेपाल जोड़ देलक अइछ ।

दक्षिणी लेबनानमे भेल आक्रमणमे तीन गोटे शान्ति सैनिक घायल भेल घटनाकेँ विषयमे राष्ट्रसङ्घके सदस्य देशक हैसियतसँ नेपाल ओकरासभप्रति दृढ़ समर्थन व्यक्त करैत सुरक्षामे जोड़ देने अइछ ।

शान्ति सैनिक कहियो आक्रमणके लक्ष्य नै होबाक चाही से नेपालक धारणा अइछ । तहिना, सरकार संयुक्त राष्ट्रक कर्मचारीसभ विरुद्ध भेल आक्रमणसभक सेहो निन्दा केलक अइछ, तँ घायल भेल सैनिकसभक शीघ्र एवं पूर्ण स्वास्थ्य लाभके कामना केलक अइछ ।

नेपालसहित विश्वसमुदाय सम्बद्ध सब पक्षकेँ अधिकतम संयमित होबए, अन्तर्राष्ट्रिय कानुनके सम्मान करए तथा सम्बन्धित सुरक्षा परिषद् प्रस्तावनासभक पूर्ण रूपमे कार्यावंयन करबाक लेल आह्वान सेहो केलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय