काठमाण्डू, २९ फागुनः निर्वाचन आयोग समानुपातिकदिस निर्वाचित दलकेँ प्राप्त होएबला सिट सङ्ख्या निर्धारण क सार्वजनिक केलक अइछ ।
आयोग वृहस्पैतदिन विज्ञप्ति जारी क समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिसके सम्पूर्ण मतगणना सम्पन्न क प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन ऐन, २०७४ के दफा ६०(२) अनुसार सम्बन्धित दलसभ प्राप्त कएने जमा सदर मत सङ्ख्याके आधारमे प्रचलित निर्वाचन कानुन बमोजिम निर्धारित थ्रेसहोल्ड (तीन प्रतिशत) कटाबएबला देहायके ६ दलसँ निम्न अनुसारके सङ्ख्यामे उम्मेदवार निर्वाचित होएजका दल प्राप्त करएबला सिट सङ्ख्या निर्धारण कएल गेल जनौलक अइछ ।
राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी ५७ सिट, नेपाली कांग्रेस २०, नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एकीकृत माक्र्सवादी–लेनिनवादी) १६, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी नौ तथा श्रम संस्कृति पार्टी आ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी चाइर/चाइर सिट प्राप्त कएने अइछ । समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिसके सम्पूर्ण मतगणना सम्पन्न भ प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन ऐन, २०७४ के दफा ६० अनुसार आयोगक निर्णय बमोजिम सिट बाँडफाँटसमेत कएल गेल अइछ ।
प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन, २०८२ मे जमा एक करोड़ ८९ लाख ३ हजार ६८९ मतदातामध्ये प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीदिस एक करोड़ ११ लाख ६८ हजार ३२ गाेटे मतदान कएने आ ओइमध्ये एक करोड़ ५ लाख ५९ हजार १७ (९४.५५%) मत सदर भेल अइछ । तहिना, समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिस एक करोड़ १२ लाख ८० हजार ६ सओ १७ गाेटे मतदान कएनेमे एक करोड़ ८ लाख ३५ हजार २५ (९६.०५%) मत सदर भेल अइछ ।
उल्लिखित सिट सङ्ख्याअनुसार ऐनके दफा ६०(४), प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन नियमावली, २०७४ के नियम ४१ तथा प्रतिनिधि सभा सदस्य समानुपातिक निर्वाचन निर्देशिका, २०८२ के दफा ३५ बमोजिम तीन दिनभीतर उम्मेदवारक नाम छनौट क आयोगसमक्ष पेस करबाक लेल सम्बन्धित राजनीतिक दलकेँ वृहस्पैतदिन पत्राचार कएल गेल आयोग जनौलक हइछ । (रासस)





