काठमाण्डू, २९ फागुनः सरकारक समवंयमे नेपाल वायुसेवा निगम पश्चिम एसियाके विभिन्न देशमे अलपत्र पड़ल नेपालीकेँ धिरे—धिरे उद्धार उड़ानमार्फत स्वदेश आनए लागल अइछ ।
निगमके प्रवक्ता देवेन्द्र पुनके कहब अनुसार वृहस्पैतदिन विशेष उद्धार उड़ानमार्फत दुबई विमानस्थलमे अलपत्र पड़ल २ सओ ७२ गोटे नेपालीकेँ स्वदेश आनल गेल अइछ ।
विशेष उद्धार उड़ानके विमानमार्फत काठमाण्डू विमानस्थलमे अलपत्र पड़ल २ सओ ६० गोटे यात्रीकेँ दुबई विमानस्थलधैर पहुँचाओल गेल अइछ ।
आइ सेहो अइ ठामसँ २ सओ ६७ गोटे यात्रीसहित निगमके विमान दुबई प्रस्थान करबाक आ ओइ ठामसँ १ सओ ६४ गोटे नेपालीकेँ स्वदेश आनबाक प्रवक्ता पुन राससकेँ जानकारी देलैन ।
इएह फागुन १६ गतेसँ पश्चिम एसियाके आकाशमे उड़ान निषेध भेलाक बाद उद्धार उड़ान सुरु कएल गेल अइछ । अमेरिका आ इजरायल संयुक्त रुपमे इरानमे हवाई आक्रमण कएलाक बाद पश्चिम एसियाली देशमे उड़ान बन्द भेल अइछ । रासस





