काठमाण्डू, १ चैतः नेपाल आयल निगम आवश्यकताअनुसार मात्रे एलपी ग्यास खरिद करए आ अनावश्यक भण्डारण नै करबाक लेल सबकेँ अनुरोध केलक अइछ । ग्यास उद्योगी तथा एलपी ग्यासके बिक्रेतासभकेँ घरायसी प्रयोजनक लेल प्रयोग करएबला उपभोक्ताकेँ उच्च प्राथमिकतामे राइख क एलपी ग्यासके बिक्रीवितरण करबाक व्यवस्था मिलेबाक लेल निगम अनुरोध केलक अइछ ।
शैनदिन विज्ञप्ति जारी करैत निगम अखन मध्यपूर्व क्षेत्रमे भ रहल युद्धक कारण पेट्रोलियम पदार्थ तथा एलपी ग्यासके आपूर्तिमे विश्वव्यापी रूपमे असर भेलाक बादो निगम नियमित रूपमे पेट्रोलियम पदार्थ तथा एलपी ग्यास आपूर्ति क बिक्रीवितरणके व्यवस्था मिलाइब रहल जनौलक अइछ ।
निगम कहने अइछ, “निगम देशभैरके ग्यास उद्योगीकेँ अपन–अपन उद्योगसँ बिक्रेताकेँ बिक्री करएबला परिमाण, पता आ सम्पर्क नम्बरसहित हरेक दिन भोर १०ः०० बजे भीतर सार्वजनिक क निगमकेँ जानकारी करेबाक लेल पुनःअनुरोध करैत अइछ । तहिना, सम्बन्धित उद्योगक बिक्रेता उपभोक्ताकेँ बिक्री कएल गेल नाम, सम्पर्क नं. आ परिमाणसहितक विवरण राइख सम्बन्धित उद्योगमार्फत हरेक दिन निगमकेँ जानकारी करेबाक लेल अनुरोध अइछ ।”
वर्तमान परिस्थितिकेँ दृष्टिगत क एलपी ग्यासके आपूर्ति तथा वितरण प्रणालीकेँ व्यवस्थित बना आमउपभोक्ताके माँगबमोजिम ग्यास हासिल क सकबाक अवस्थाके सहजीकरणके लेल शुक्रदिनसँ लागू होएजका दोसर निर्णय नै भेलाधैर सम्पूर्ण ग्यास उद्योग सिलिन्डरमे सात दशमलव एक किलो एलपी ग्यास भैर क प्रतिसिलिन्डर आधा दाम ९ सओ ५५ टकामे बजारीकरण करबाक व्यवस्था मिलाएल गेल निगम जनौलक अइछ ।रासस





