६ दलद्वारा समानुपातिकमे निर्वाचित होएबला उम्मेदवारक नाम आइ पेस कएल जाएत


काठमाण्डू, १ चैतः बितल फागुन २१ गते सम्पन्न प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे थ्रेसहोल्ड (तीन प्रतिशत मत) कटौने ६ राजनीतिक दल आइ कार्यालय समयमे समानुपातिकमे निर्वाचित होएबला उम्मेदवारक नाम पेस करए लागल अइछ ।

निर्वाचनमे थ्रेसहोल्ड कटौने राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा), नेपाली कांग्रेस, नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले), नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा), श्रम संस्कृति पार्टी आ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी (राप्रपा) केँ आइ ५ः०० बजेधैर क्लष्टर (समूह) मिला क निर्वाचित उम्मेदवारक नाम पेस करबाक लेल बितल फागुन २८ गते पत्रात्रार कएल गेल निर्वाचन आयोगक सहायक प्रवक्ता कुल बहादुर जिसी राससकेँ जानकारी देलैन ।

फागुन २१ गतेके निर्वाचनमे समानुपातिकदिस एक करोड़ १२ लाख ८० हजार ६ सओ १७ मतदान भेलमे एक करोड़ आठ लाख ३५ हजार २५ मत सदर भेल छल । सदर मतमध्ये सबसँ बेसी मत प्राप्त कएने रास्वपाके क्लष्टर अनुसार ५७ सांसद निर्वाचित भेल विवरण पठाबए पड़त । तहिना, कांग्रेसके २०, एमालेके १६, नेकपाके नौ, श्रम संस्कृति पार्टी आ राप्रपाके चाइर/चाइर गोटे उम्मेदवार निर्वाचित भेल सूची क्लष्टर मिला क आइ साँझ ५ः०० बजेधैर आयोगमे पेस करए पड़त ओ बतौलैन ।

दलसँ आएल नाम क्लष्टर अनुसारक प्रतिनिधित्वके आधारमे भेल तँ आयोग आइए निर्वाचित उम्मेदवारके नामावली सार्वजनिक करत । क्लष्टर अनुसारके नाम नै मिलल तँ फेरसँ सचिएबाक लेल समय निर्धारण कएल जेबाक प्रवक्ता जिसी उल्लेख केलैन । समानुपातिक प्रणालीसँ १ सओ १० गोटे उम्मेदवार निर्वाचित होबाक कानुनी व्यवस्था अइछ ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय