तेहरान, १ चैत: इरान शैनदिन मध्यपूर्वके सबसँ व्यस्त बन्दरगाह आ युएईके दूटा बन्दरगाह खाली करबाक लेल अनुरोध केलक अइछ । इरानी विदेशमन्त्री अब्बास अराघ्ची अमेरिका खार्ग टापु आ अबु मुसा टापुमे युएईके दू स्थानसँ आक्रमण कएने दाबी केलैन अइछ ।
इरानी सैन्य कमाण्ड अमेरिकी या ओकर सहयोगीसभ इरानी तेल पूर्वाधारमे आक्रमण कएलापर ओइके बदला लेबाक चेतावनी देलक अइछ । खार्ग टापुमे अमेरिकी आक्रमणसँ तेल संरचनामे कोनो क्षति नै भेल बताओल गेल अइछ । संयुक्त राज्य अमेरिका खार्ग टापुमे रहल नौसैनिक बारुद भण्डारण, क्षेप्यास्त्र भण्डारण आ अन्य सैन्य संरचनासभ नष्ट कएल गेल जनौलक अयछ । अमेरिकी अधिकारीसभ तेल पूर्वाधार सुरक्षित रहल पुष्टि केलक अइछ ।
क्षेत्रीय तनाव आ वैश्विक चिन्ता
युद्धसँ तेलके दाम आ आपूर्तिके बारेमे विश्वव्यापी चिन्ता बढ़ल अइछ । राष्ट्रपति ट्रम्प चीन, फ्रान्स, जापान, दक्षिण कोरिया, बेलायत लगायत देशकेँ हर्मुज जलडमरू सुरक्षित राखए युद्धपोत पठेबाक लेल आह्वान केलैन अइछ ।
इराकमे अमेरिकी दूतावासमे आक्रमण
इराकके अमेरिकी दूतावासमे मिसाइल प्रहार कएल गेल अइछ । मुदा, अखनधैर आक्रमणके कोनो समूह जिमेवारी नै लेने अइछ । अमेरिकी सरकार इराकमे भेल अपन नागरिककेँ देश छोड़बाक लेल चेतावनी द चुकल अइछ । रासस/एपी





