काठमाण्डू, २ चैतः राष्ट्रिय सभाक अध्यक्ष नारायण प्रसाद दाहालसँ नेपालक लेल नवनियुक्त चिनियाँ राजदूत चाङ माओमिङ शिष्टाचार भेट केलैन अइछ । सिंहदरबारस्थित अध्यक्ष दाहालके कार्यकक्षम भेल भेटमे हुनकासभ बीच दू देश बीचके सम्बन्ध, संसदीय सहकार्य, आपसी सहयोग आ समसामयिक विषयमे परामर्श भेल छल ।
नेपाल आ चीन बीचक सम्बन्ध सालो पुरान भेल चर्चा करैत अध्यक्ष दाहाल दू देश बीचक सम्बन्ध कूटनीतिक तहमे मात्रे नै जनस्तरमे सेहो मजबुत आ प्रगाढ़ रहल बतौलैन । बितल फागुन २१ गते नेपालमे प्रतिनिधि सभाक निर्वाचन सम्पन्न भ नयाँ सरकार गठनके प्रक्रियामे रहल कहैत अध्यक्ष दाहाल जेनजी आन्दोलनके बाद उत्पन्न कठिन परिस्थिति आ चुनावक समयमे चीन सरकारद्वारा कएल गेल सहयोगप्रति प्रशांसा व्यक्त कएने अध्यक्ष दाहालक सचिवालय जनौलक अइछ ।
ओइ अवसरमे राजदूत चाङ चीन–नेपाल देश बीच कूटनीतिक सम्बन्ध स्थापना भेलाक बाद पारस्पारिक लाभमे आधारित मैत्री सम्बन्ध कायम रहल बतौलैन । दूनु देशक राष्ट्रपति तहसँ भ्रमण आदान प्रदान भेलाक बाद दू देश बीचक सहकार्य आ सहयोगमे उल्लेख्य वृद्धि भेल आ सम्बन्ध नयाँ उँचाइमे पहुँचल ओ बतौलैन ।
भेटमे राष्ट्रिय सभाक सचिव तुल बहादुर कँडेल लगायत परराष्ट्र मन्त्रालय आ सङ्घीय संसद सचिवालयके कर्मचारीसभ तथा चिनियाँ दूतावासक अधिकारीसभक सहभागिता छलैन । रासस





