जनकपुरधाम, ४ चैतः मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव प्रदेश सरकारक नेतृत्व सम्हारने एक सओ दिनमे महत्त्वपूर्ण उपलब्धी हासिल भेल बतौलैन अइछ ।
प्रदेशक मुख्यमन्त्रीके जिमेवारी सम्हारने एक सओ दिनमे भेल उपलब्धी सार्वजनिक करबाक लेल मङ्गलदिन आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे ओ कम समयमे सरकार जनताके आवश्यकता आ अपेक्षाअनुसार काज करबाक लेल सफल भेल बतौलैन ।
मुख्यमन्त्री यादव शिक्षा, स्वास्थ्य, कृषि, पूर्वाधार विकास तथा सुशासनक क्षेत्रमे उल्लेखनीय प्रगति हासिल भेल दाबी केलैन । “स्वास्थ्य क्षेत्रमे अस्पतालक स्तरोन्नति, आवश्यक जनशक्ति व्यवस्थापन तथा दवाइके सहज आपूर्ति सुनिश्चित कएल गेल छै । शिक्षा क्षेत्रमे विद्यालय सुधार, शिक्षक व्यवस्थापन तथा प्राविधिक शिक्षामे पहुँच विस्तार कएल गेल छै”, ओ कहलैन,“कृषि क्षेत्रकेँ प्राथमिकतामे राइख क कृषककेँ अनुदान, मलखाख–बीयाके उपलब्धता तथा सिँचाइ प्रणाली सुधारमे सेहो महत्त्वूर्ण काज भेल छै । पूर्वाधार विकासअन्तर्गत सड़क, पुल तथा खानेपानी आयोजनासभकेँ तीव्रता देल गेल छै ।”
सुशासन आ पारदर्शीताकेँ प्राथमिकता दैत सेवा प्रवाहकेँ सहज बनेबाक सङे डिजिटल प्रणालीके प्रयोग विस्तार कएल गेल मुख्यमन्त्री यादव बतौलैन । तहिना, बेरोजगारी न्यूनीकरणक लेल सीपमूलक तालिम तथा रोजगारी सिर्जना कार्यक्रम सञ्चालनमे आनल गेल ओ जानकारी देलैन ।
आबएबाला दिनमे आओर प्रभावकारी रूपमे काज करबाक मुख्यमन्त्री यादव प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । रासस





