काठमाण्डू, ४ चैतः नेपाल प्रहरीके साइबर व्यूरो बैंकिङ कसुरके अभियोगमे प्रभु बैंकके कर्पोरट एण्ड प्रोजेक्ट फाइनान्स विभाग प्रमुख दिनेश डङ्गोलकेँ गिरफ्तार केलक अइछ ।
प्रतिवादी अशोक शेरचनसहितपर अनुसन्धान भ रहल समय थप तथ्य प्राप्त भेलाक बाद डङ्गोलकेँ गिरफ्तार कएल गेल ब्यूरो जनौलक अइछ । बैंकके महत्त्वपूर्ण विभागमे कार्यरत डङ्गोल नेपाल राष्ट्र बैंकसँ जारी भेल निर्देशन तथा प्रचलित कानून विपरित काज कएने तथा प्रभु म्यानेजमेन्ट प्रालिमे प्रवाह कर्जा दुरुपयोग कएने देखल गेल अइछ ।
आरोपी डङ्गोलपर जिला अदालत काठमाण्डूसँ अनुमति ल थप अनुसन्धान भ रहल ब्यूरोेके सूचना अधिकारी शिव कुमार श्रेष्ठ जानकारी देलैन । रासस





