केरा खेतीके बीमा नै भेलासँ कृषक समस्यामे


रौतहट, ४ चैतः केरा खेतीके बीमा नै भेलासँ रौतहटक कृषककेँ समस्या भेल अइछ । जिलाक विभिन्न स्थानीय तहमे कएल गेल केरा खेतीके बीमा नै भेलासँ अइ ठामक कृषक प्राकृतिक प्रकोपके कारण समस्यामे अइछ ।

सोमदिन साँझ हावाबिहाइरके कारण चन्द्रपुर नगरपालिकामे बेसी क्षति भेल अइछ । विशेष क चन्द्रपुर–३ मे कएल गेल करिब डेढ करोड़ बराबरके केरा खेती पूर्ण रूपमे नष्ट भेलासँ कृषक आर्थिक समस्यामे पड़ल अइछ ।

चन्द्रपुर–१ के पौराई, चन्द्रपुर–२ के जुड़िबेला, वाड नं. ३ के गैडाटार, वाड नं. ४ के चन्द्रनिगाहपुरलगायत गाममे हावाबिहाइरसँ केरा खेतमे पूर्ण रुपमे क्षति भेल अइछ । चन्द्रपुर–३ के गैँडाटार गाम केरा उत्पादनके मुख्य क्षेत्रके रूपमे परिचित अइछ । अइ ठामक अधिकांश कृषक व्यावसायिक रूपमे केरा खेती करैत आएल अइछ ।

सोमदिनक हावाबिहाइरसँ हजारो केराके गाछमे क्षति भेलासँ सालभैरके मेहनत नष्ट भेल स्थानीय कृषक दीपक गौतम बतौलैन । लगानी, श्रम आ समय सब नष्ट भेलासँ कृषक आर्थिक रूपमे समस्यामे पड़ल हुनक कहब छैन ।

केरा खेती करएबला कृषक प्रत्येक साल प्राकृतिक विपत्तके सामना करैत आएल अइछ । हावाबिहाइर, रोग आ जङ्गली जानवरक आक्रमणसँ केरा खेती नष्ट होइत आएल अइछ । मुदा, बीमा नै भेलासँ सब क्षति कृषककेँ अपनेसँ चुक्ता करबाक बाध्यता रहल गौतम बतौलैन । अइ क्षेत्रमे व्यावसायिक रुपमे केरा खेती करएबला कृषकके संख्या बढ़लाक बाद खेतीके बीमा करबाक लेल बेर-बेर चन्द्रपुर नगरपालिकामे आवाज उठौलाक बादो सुनवाइ नै भेल ओ बतौलैन ।

बीमाके लेल चन्द्रपुर नगरपालिकाक नगरप्रमुख सञ्जय कुमार काफ्ले तथा विभिन्न बीमा कम्पनीकेँ आग्रह कएलापर बेवास्ता कएने कृषक गौतम शिकायत केलैन । गौतम करिब ७ बिगहा जमीनमे केरा खेती करैत आएल छैथ । रौतहटमे करिब चाइर सओ बिगहासँ बेसी जमीनमे केरा खेती भेल आ हावाबिहाइरसँ तीन करोड़सँ बेसीके क्षति भेल अइछ ।

तहिना, चन्द्रपुर–३ के दोसर कृषक रमेश घिमिरे केरा खेतीके बीमा भेलापर कृषकके लगानी सुरक्षित होबाक बतौलैन । बीमा कम्पनी जोखिम बेसी होबाक कहैत केरा खेतीके बीमा करबाक लेल अटेरी करैत आएल ओ बतौलैन ।

चन्द्रपुर नगरपालिकाके नगरप्रमुख सञ्जय कुमार काफ्ले कृषकके बाली बीमाके लेल नगरपालिका सब किसिमके सहयोग करबाक लेल तैयार रहल बतौलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय