नागरिकके अपेक्षाअनुसार जिमेवारी पूरा करबाक लेल प्रहरी महानिरीक्षकके निर्देशन


काठमाण्डू, ५ चैतः प्रहरी महानिरीक्षक दान बहादुर कार्की नागरिकके अपेक्षाअनुसार जिमेवारी पूरा करबाक लेल मातहत निकायकेँ निर्देशन देलैन अइछ ।

महानिरीक्षक कार्की बुधदिन अपना मातहतके निकायसँ ‘भर्चुअल’ बैसारमे सब प्रहरी कर्मचारीकेँ अपन उच्च व्यावसायिकता प्रदर्शन करैत थप अनुशासित, निष्ठावान् एवम् इमानदार बनबाक लेल बतौलैन ।

निर्वाचनकेँ शान्तिपूर्ण, भयमुक्त एवम् निष्पक्ष वातावरणमे सफलतापूवर्क सम्पन्न करेबाक लेल सम्पूर्ण प्रहरी कर्मचारीद्वारा निर्वाह कएल गेल भूमिका प्रशंसनीय रहल ओ उल्लेख केलैन ।

अपन–अपन जिमेवारी क्षेत्रक विस्तृत जानकारी राइख योजनाबद्ध रूपमे सुरक्षा व्यवस्थापनकेँ आओर मजबुत बनेबाक चाही से प्रहरी महानिरीक्षक कार्की धारणा व्यक्त केलैन । अपन–अपन क्षेत्रमे कोनो आपराधिक क्रियाकलाप आ घटनासभ नै होए तइ लेल सूचना सङ्कलन तथा विश्लेषणकेँ प्राथमिकतामे राइख प्रहरी कर्मचारीसभकेँ सैदखन तैयारी अवस्थामे रहबाक लेल ओ आग्रह केलैन ।

सीमा नाकामे होएबला आपराधिक गतिविधि, फरार प्रतिवादी गिरफ्तार, हातहतियार बरामदलगायतक विषयमे विशेष सुरक्षा योजना बना क कार्यावंयन करबाक लेल प्रहरी महानिरीक्षक कार्की निर्देशन देलैन । आबएबला दिनमे कार्यसम्पादन सम्झौताके कार्यावंयनमे थप व्यावसायिकता प्रदर्शन करैत काज करबाक तथा हिरासत व्यवस्थापनमे सेहो विशेष सतर्कता अपना क काज करबाक चाही से हुनक कहब छलैन ।

बैसारमे नेपाल प्रहरी प्रधान कार्यालय कार्य विभागक प्रमुख प्रहरी अतिरिक्त महानिरीक्षक उमाप्रसाद चतुर्वेदी, अपराध अनुसन्धान विभागक प्रमुख प्रहरी अतिरिक्त महानिरीक्षक सुशील सिंह राठौर आ प्रदेश समवंय विभागक प्रमुख प्रहरी अतिरिक्त महानिरीक्षक डम्बर बहादुर विक सेहो समसामयिक विषयमे निर्देशन देने छलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय