काठमाण्डू, ६ चैतः नियमित गस्तीमे खटल प्रहरी टोली लागुऔषधसहित विभिन्न स्थानसँ २६ गोटेकेँ गिरफ्तार केलक अइछ ।
केन्द्रीय प्रहरी समाचार कक्षके अनुसार बैङ्ककसँ नेपाल एयरलाइन्सके विमानमे आएल एक गोटे भारतीय नागरिककेँ पाँच किलो गाँजासहित त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय आगमन कक्षसँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।
तहिना, काठमाण्डू महानगरपालिका–३२ नरेफाँटसँ एक गोटे, नागार्जुन नगरपालिका–६ शरणपुरचौकसँ ७३ किलो गाँजासहित दू गोटे, मोरङके उर्लाबारी नगरपालिका–७ बरगाछीसँ एक गोटे, नुवाकोटके विदुर नगरपालिका–१ त्रिशूलीसँ पाँच गोटे, पोखरा नगरपालिका–२७ सैनिकबस्तीसँ एक गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।
बाँकेके कोहलपुर नगरपालिका–१५ अक्कलघरुसँ ब्राउन सुगरसहित आठ गोटे, ओएह नगरपालिकाके ढोरपुरसँ एक गोटे, सुर्खेतके वीरेन्द्रनगर नगरपालिका–१२ सँ एक गोटे आ दाङके घोराही उपमहानगरपालिका–१८ गाउँबेँसी टोलसँ पाँच गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।
समाचार कक्षके अनुसार ओकरासभकेँ बुधदिन आ वृहस्पैतदिन गिरफ्तार कएल गेल अइछ । रासस





