प्रधानमन्त्री कार्कीद्वारा जानकी मन्दिरमे पूजापाठ


जनकपुरधाम, ६ चैतः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की जनकपुरधामस्थित प्रसिद्ध धार्मिकस्थल जानकी मन्दिरमे दर्शन तथा पूजापाठ केलैन अइछ । आइ भोर नेपाली सेनाके हेलिकप्टरमार्फत जनकपुर आएल प्रधानमन्त्री कार्की प्रसिद्ध जानकी मन्दिरमे विशेष पूजापाठ केलैन ।

ओइ अवसरमे मन्दिरक महन्थ राम तपेश्वर दास तथा उत्तराधिकारी महन्थ रामरोशन दास प्रधानमन्त्री कार्कीके स्वागत कएने तथा फूलमाला आ प्रसाद प्रदान कएने छलैन । मन्दिरक पुजारीद्वारा स्वस्तिवाचन कएल गेल छल ।

पूजापाठ कएलाक बाद प्रधाममन्त्री कार्की मन्दिरक परिक्रमा क अवलोकन करबाक सङे आवश्यक जानकारी लेलैन । पूजापाठके बाद सञ्चारकर्मीसँ छोट बातचित करैत ओ जनकपुरधाममे अपन विशुद्द धार्मिक यात्रा भेल बतौलैन ।

प्रधानमन्त्री कार्की जनकपुरधाम नेपालक धार्मिक तथा सांस्कृतिक दृष्टिके हिसाबसँ अत्यन्त महत्त्वपूर्ण स्थल भेल बतौलैन । जनकपुरधामसहित देशभैरके धार्मिक तथा ऐतिहासिक सम्पदाके संरक्षण आ प्रवर्द्धनमे सरकार प्रतिबद्ध रहल ओ उल्लेख केलैन ।

जनकपुरधामकेँ अन्तर्राष्ट्रियस्तरके धार्मिक पर्यटकीय गन्तव्यके रूपमे विकास करबाक सरकारक लक्ष्य रहल प्रधानमन्त्री कार्की उल्लेख केलैन । अन्तरिम सरकार जनताके अपेक्षाअनुसार सुशासन, विकास आ स्थायित्वके लेल केन्द्रित रहल बतबैत ओ सब पक्षसँ सहकार्य करैत आगु बढ़बाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।

अइसँ पहिने जनकपुरधाम विमानस्थलमे मधेश प्रदेश सरकार गृह, सञ्चार तथा कानुनमन्त्री फकिरा महतो, प्रमुख सचिवसहित मधेश प्रदेश तथा जिलास्थित सुरक्षा निकायक प्रमुख तथा धनुषाक प्रमुख जिला अधिकारी पे्रम प्रसाद लुइँटेललगायत प्रधानमन्त्री कार्कीके स्वागत कएने छलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय