ब्रसेल्स (बेल्जियम), ६ चैतः संयुक्त राष्ट्रसङ्घक महासचिव एन्टोनियो गुटेरेस अमेरिका आ इजरायलकेँ चेतावनी दैत मध्यपूर्वमे जारी द्वन्द्वके तत्काल अन्त करबाक लेल आग्रह केलैन अइछ ।
सामाजिक सञ्जाल एक्समे गुटेरेस सन्देश दैत संयुक्त राज्य अमेरिका आ इजरायलकेँ युद्ध अन्त्य करबाक लेल ई उत्तम समय भेल बतौलैन । युद्धसँ विश्वव्यापी अर्थतन्त्रमे नकरात्मक प्रभाव पाड़ैत कम विकसित देशसभक लेल दुःखद परिणाम उत्पन्न कराइब रहल हुनक कहब छलैन ।
तहिना, इरानकेँ अपन पड़ोसी देशसभमे आक्रमण बन्द करबाक लेल आह्वान करैत गुटेरेस ओ देशसभ द्वन्द्वमे कहियो सहभागी नै भेल बतौलैन ।
सुरक्षा परिषद अइ आक्रमणसभक निन्दा करैत तत्काल द्वन्द्व रोकबाक लेल आदेश देलक अइछ । होर्मुजके जलमार्ग लम्बा समयधैर बन्द भेलासँ संसारभैरके नागरिकके लेल पीड़ादायी होबाक कहैत परिषद स्ट्रेट अफ होर्मुज खोलबाक लेल सेहो आदेश देलक अइछ ।
फ्रान्सके राष्ट्रपति इमानुएल म्याक्रोन सेहो तत्काल द्वन्द्व समाधानक आवश्यकतामे जोड़ दैत सामाजिक सञ्जाल एक्समे लिखलैन, “मध्यपूर्वमे स्थिरता पुनःस्थापना करबाक लेल ठोस शान्ति योजना आनए पड़त ।”
विश्वव्यापी रुपमे नेतासभ द्वन्द्वकेँ आओर बढ़एसँ रोकबाक लेल आ व्यापक मानवीय तथा आर्थिक सङ्कटसभ उत्पन्न नै करबाक लेल तत्काल कूटनीतिक तथा ठोस शान्ति प्रक्रियाके लेल आह्वान केलैन अइछ । रासस/एएनआई





