उपराष्ट्रपति यादवद्वारा पाइन दिवसके शुभकामना


काठमाण्डू, ८ चैतः उपराष्ट्रपति राम सहाय प्रसाद यादव पाइनक न्यायपूर्ण वितरण आ पहुँच सुनिश्चित करबाक लेल राज्यके नीतिसभ प्रभावकारी बनेबाक आवश्यक भेल बतौलैन अइछ । विश्व पाइन दिवस, २०२६ के अवसरमे आइ शुभकामना व्यक्त करैत ओ कहलैन, “पाइन जीवनक आधार छै । एकर संरक्षण आ समुचित उपयोग हमरासभक सझिया जिमेवारी छै ।”

सन्देशमे कहल गेल अइछ, “भूमिगत पाइनक स्तर घइट रहल छै । विशेष क तराई–मधेशमे ई समस्या गम्भीर छै । पहाड़ी भू-भागके पाइनक प्राकृतिक स्रोतसभ सुखाए लागल छै । प्रदूषण, अव्यवस्थित संरचना आ कमजोर व्यवस्थापन जलासयसभक क्षमता घटौने छै ।” अइ चुनौतीकेँ अवसरमे रूपान्तरण करबाक लेल सबके मिल क काज करबाक सङे पाइनक संरक्षण वातावरणीय मुद्दा मात्रे नै राष्ट्रिय अस्तित्व आ भविष्यक प्रश्न सेहो भेल हुनक कहब छैन ।

नेपाल जलस्रोतमे धनी देश भेलाक बादो ओइके उपयोग आ संरक्षणमे अखनो सक्षम नै बइन सकल उल्लेख करैत उपराष्ट्रपति यादव नदी, ताल आ भूमिगत पाइनक दीर्घकालीन संरक्षणके लेल वैज्ञानिक दृष्टिकोणके आवश्यकता भेल बतौलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय