काठमाण्डू, ८ चैतः देशक विभिन्न स्थानमे भेल सवारी दुर्घटनामे सात गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ एक गोटे घायल भेल अइछ । रूपन्देही, कञ्चनपुर, पाल्पा आ मोरङमे भेल सवारी दुर्घटनामे सात गोटेके मृत्यु भेल केन्द्रीय प्रहरी समाचार कक्ष जनौलक अइछ ।
दुर्घटनामे रूपन्देहीके एक, कञ्चनपुरके एक, पाल्पाके चाइर आ मोरङके एक गोटेके मृत्यु भेल अइछ । मोरङके रङ्गेली नगरपालिका–७ मे मोटरसाइकल अनियन्त्रित भ दुर्घटना भेल छल । दुर्घटनामे घायल भेल एक गोटेके नोबेल अस्पताल विराटनगरमे इलाज भ रहल अइछ । दुर्घटनाक सम्बन्धमे प्रहरी आवश्यक अनुसन्धान क रहल केन्द्रीय प्रहरी समाचार कक्ष जनौलक अइछ । रासस





