विजेता चौधरी
अमेरिका, ओ अमेरिका
तोहर प्रभुत्ववादी शक्तिक
अवसान मुबारक
’मेक अमेरिका ग्रेट’ के सपनामे
अहंकारके तख्त पर बैसल
डोनाल्ड ट्रम्प सरकार
आ ओकर अनुयायीद्वारा
कएल गेल नागरिक अपमान
एखनि विश्व बिसरल कहाँ छै
होर्मुजमे देखल गेल
अव्यवस्थित संकटक विरुद्ध
ठाड होइत शक्तिसब
तोहर छत्रसँ बाहर
बना रहल छल
नव संगठन
ओ संयुक्त राज्य अमेरिका,
दिनक गिन्ती शुरु त ने भ गेलह ?
रुसके आक्रमण
आ चीनके सैन्य वृद्धि मात्र नइ
तोहर विश्वव्यापी नेतृत्वके
विखण्डन तोरा मुबारक
ई विश्वयुद्ध
तोरा भारी पडतह
बहुत भारी
ओ डोनाल्ड ट्रम्प,
तोहर अमेरिकी शक्ति
गठबन्धनेसँ संचालित छह
से नइ बिसरितह, से नीक
पुस्तोसँ, अपन सुरक्षा तोरासँग जोड्ने
विश्वभरिके देशकेँ
तों बोझ बुझि
करैत रहैत छह अपमान
से देखह एखनि
तेल आ प्राकृति गैसक मार्गकेँ
सुरक्षित बनेबाक तोहर
महत्वाकाक्षी आह्वाहन
पानि भ रहल छह
आब तोरासँ
परिचालित नइ रहबाक छै विश्वकेँ
हम अकानि रहल छी
एक गोट गहिंर परिवर्तनक रुख
से, प्रत्यक्ष समन्वय खोजि रहल
फ्रान्स आ इटलीसनकेँ
मजबुत साझेदारक अविश्वास
विश्व सुरक्षा संरचना केँ
बहुत हानी करतह
क्षयकेर प्रलय छैक ई परिवर्तन
ओ अमेरिका, चेती जाह आबो
टुटरिहल छह तोहर
प्रभुत्ववादी शक्तिक मेरुदण्ड
से गठबन्धन टुटलासँ
जाहि संसारके तोरा करए पडतह सामना
से अविश्वसनीय भ सकैत छह
तोहर सोचसँ परे
से, चेती जाह आबो
अमेरिका, ओ अमेरिका ।।





