सुदर्शनराज पाण्डे स्मृति पत्रकारिता पुरस्कारद्वारा पत्रकार गौतम सम्मानित


वीरगञ्ज (पर्सा), ११ चैतः सुदर्शनराज पाण्डे स्मृति पत्रकारिता पुरस्कारसँ वरिष्ठ पत्रकार ईश्वरचन्द्र गौतमकेँ सम्मानित कएल गेल अइछ । २५ हजार टका राशीसहित पत्रकार गौतमके सम्मान पत्र प्रदान कएल गेल ।

गौतम राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)के तत्कालीन नारायणी अञ्चल प्रमुख सेहो छलैन ।

नेपाल पत्रकार महासङ्घ पर्सा शाखाद्वारा आइ आयोजित कार्यक्रममे नव निर्वाचित सांसद बुद्धिप्रसाद पन्त पत्रकार गौतमकेँ सम्मान अर्पण केलैन ।

नेपाल पत्रकार महासङ्घ पर्सा शाखाके अध्यक्ष ओम प्रकाश खनाल पत्रकार गौतम अस्वस्थ भेलाक कारण हुनक निवासमे जा क सम्मान कएल गेल जानकारी देलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय