‘ब्रिज कोर्स’के नाममे होएबला कार्यक्रम बन्द करबाक लेल सरकारक अनुरोध


काठमाण्डू, १६ चैतः सरकार ‘ब्रिज कोर्स’के नाममे होएबला विभिन्न कार्यक्रम बन्द करबाक लेल अनुरोध केलक अइछ । शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधि मन्त्रालय विद्यालय तहके विभिन्न कक्षा आ उच्च शिक्षाके विभिन्न तहमे भर्ना लक्षित प्रवेश परीक्षा तैयारी कक्षा एवं ब्रिज कोर्सके नाममे होएबला विभिन्न कार्यक्रम बन्द करबाक लेल अनुरोध केलक अइछ ।

मन्त्रालयद्वारा रैबदिन जारी विज्ञप्तिमे अइ प्रकारक कार्यक्रमसँ विद्यार्थीके मनोविज्ञान तथा शिक्षामे समतामूलक पहुँचमे नकारात्मक असर होबाक आ विद्यार्थीके अनावश्यक आर्थिक बोझ होबाक कारण अगिला वैशाख १ गतेसँ पूर्ण रूपमे कार्यक्रम बन्द करबाक लेल सम्बन्धित संस्थासभकेँ अनुरोध कएल गेल अइछ ।

मन्त्रालयके सहसचिव एवं प्रवक्ता शिव कुमार सापकोटाद्वारा जारी विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ, “अइ मन्त्रालयके माननीय मन्त्रीस्तरसँ मिति २०८२/१२/१३ गते निर्णय भेलाक कारण ओएह अनुसार करबाक लेल सम्बन्धित सबमे ई निर्देशन देल गेल अइछ । तहिना, अइ प्रकारक कार्यक्रम सञ्चालन भेल अइछ की नै ओइके अनुगमन क सञ्चालन कएल गेल भेटल तँ प्रचलित कानुनबमोजिम कारबाहीके प्रक्रिया आगु बढ़ेबाक लेल सम्बन्धित जिला प्रशासन कार्यालयकेँ अनुरोध अइछ ।’

विद्यालय तहके विभिन्न कक्षा आ उच्च शिक्षाके विभिन्न तहमे भर्ना प्रक्रिया सुरु होबएसँ पहिने भर्ना लक्षित क विभिन्न संस्थासभ प्रवेश परीक्षा तैयारी कक्षा एवं ब्रिज कोर्सके नाममे कार्यक्रम सञ्चालन करैत आएल अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय